Search

मधुबनी मे संपन्न भेल मासिक कवि गोष्ठी – आरंभ केर भेल लोकार्पण

मधुबनी, जनबरी १६, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

ajit azad2साहित्यिक साधना स्थली मधुबनी द्वारा हरेक मासक १५ तारीख केँ आयोजित कैल जा रहल कवि गोष्ठी काल्हि आयोजन कैल गेल छल। एकर अध्यक्षता डा. विजय शंकर पासवान केलनि तथा आनन्द मोहन झा द्वारा संचालन कैल गेल। एहि कार्यक्रम मे अमल वत्स रचित हिन्दी कविता संग्रह ‘आरम्भ’ केर लोकार्पण सेहो कैल गेल।

गोष्ठी मे अजित आजाद द्वारा पथिक कविता पर समीक्षा प्रस्तुत कैल गेल छल। उपस्थित कवि रामेश्वर निशान्त, सतीश साजन, दिलीप झा, गोपाल झा अभिषेक, अमल वत्स, सुभाष स्नेही, विनय विश्वबंधु, विद्याकर, भोला नन्द झा, उदय जायसवाल, शुभ कुमार वर्णवाल, प्रशान्त ठाकुर तथा नासिर रिजवी अपन-अपन प्रस्तुति देने छलाह।

ई गोष्ठी पहिने हिन्दी कविता लेल ख्याति प्राप्त कएने छल, मुदा आब मैथिली लेल समर्पित अछि। २९ अगस्त २०१२ ई. मे स्थापित ई साहित्यिक संस्था ‘अमलतास’ नाम सँ वार्षिक स्मारिकाक सेहो प्रकाशन करैत अछि। एखन धरि ३ अंक प्रकाशित कैल जा चुकल अछि। आचार्य वामदेव झाक अध्यक्षता मे आरंभ भेल एहि संस्थाक कार्यकारी अध्यक्ष सतीश साजन तथा सचिव रामेश्वर निशान्त छथि।

Related Articles