खबैर साभारः प्रभात खबर दैनिक – १२ जनबरी, २०१६ अंक
दरभंगा : डीमएसीएच गायनिक वार्ड मे परिजन केर वास्ते रैन बसेरा भवन केर निर्माण कराओल गेल छल. जिला प्रशासन केर आदेश पर एक साल पूर्व 10 रूमक रैन बसेरा भवन केर निर्माण नगर निगम द्वारा कराओल गेल. भवन निर्माणक बाद ई रैन बसेरा लावारिश बनि गेल अछि. एहि भवन पर डीएमसीएच प्रशासन आर नगर निगम केर लगाम नहि अछि. एकर फायदा उठबैत किछु लफंगा द्वारा दुइ टा कोठली मे ओकरा सबहक ताला लटका देल गेल अछि.
रैन बसेराक कोठली मात्र मरीज केर परिजन टा बुक करा सकैत अछि. एको टा कोठली गैर मरीज केर परिजन केँ नहि देल जायत – ई नियम अछि. ताहि लेल मरीजक पुर्जाक फोटोस्टेट सौंपय पड़त. रैन बसेराक एक कोठलीक बुकिंग पर परिजन केँ 75 रुपयाक भुगतानी करय पड़त. एक साल सँ परिजन सँ तय राशि नहि लेल जा रहल अछि. एकर लेखा-जोखा राखयवलाक सेहो कोनो पता नहि अछि. रैन बसेराक एक कोठली मे ताला लागल रहैत अछि. ई विशेष रूम रातिये टा मे खाली खुलैत अछि. दिन मे एहि मे ताला लटकल रहैत अछि. रैन बसेराक 10 मे सँ नौ कोठली मे महिला-पुरुष रहैत अछि. एहेन लोक मरीज केर भर्तीक नाम पर एक पखवाड़ा धरि रहैत अछि.