स्रोतः हिन्दुस्तान पटना संस्करणक समाचार
मैथिली भाषा सेहो अाब हाईटेक भऽ रहल अछि। मैथिली मे वेबसाइट तऽ कतेको रास अछि। लेकिन पहिल बेर एकटा मोबाइल एप्प बनाओल गेल अछि। मैथिली साहित्य संस्थान, पटना केर लेल ई एप्प इंटर पास युवक अच्युत द्वारा तैयार कैल गेल अछि।
एहि एप्प केर माध्यम सँ आब गैर मैथिली भाषी सेहो आसानी सँ मैथिली सीख सकता। आबयवाला दिन मे एकर मदद सँ जर्मन, फ्रेंच भाषी सेहो जर्मनी और फ्रांस मे बैसियेकय मैथिली सीख सकता। मैथिली भाषा केर पहिल एप्प केर लोकार्पण शुक्रवार केँ भेल।
संस्थान केर सचिव भैरवलाल दास और कोषाध्यक्ष डा.शिव कुमार मिश्रा केर मुताबिक एहि एप्प केँ कियो अपन एंड्रॉयड मोबाइल पर आसानी सँ डाउनलोड कय सकैत अछि। शुरुआत मे तऽ एहि पर संस्थान सँ जुड़ल सब जानकारी उपलब्ध करायल जायत। संगहि मिथिलांचल केर समृद्ध कला-संस्कृति, मैथिली केर गीत, साहित्य और धरोहर सबहक जानकारी भेट सकत। धीरे-धीरे एहि पर मैथिली सीखबाक ट्रेनिंग सेहो देल जाय लागत।
एकरा वास्ते ऑडियो और वीडियो सेहो एहि पर अपलोड कैल जायत। एहि एप्प केर उपयोग यूपीएससी केर परीक्षा मे बैसनिहार मैथिली भाषाक परीक्षार्थी सेहो कय सकता। एहि एप्प केर मदद सँ आब छात्र-छात्रा दिल्ली, मुंबई कतहुओ घरे बैसल मैथिलीक तैयारी कय सकता। ओत्तहि विदेशी सेहो मैथिली सीखय चाहैत अछि। एहि एप्प केँ विकसित करनिहार अच्युत अमेरिकाक दुइ विश्वविद्यालय मे इंजीनियरिंग मे नामांकनक लेल पात्रता परीक्षा पास केलनि अछि।

6 Comments
Ham sab akar samman karay chhi
OK thik
जा..! एप्प के नाम कहबे नै केलिये!!
पता कय फेर सँ कहैत छी।
welcome!
App nhi bhet rahal chhai.. play store par ki kru