मिथिला मखान – मैथिली सिनेमाक नवका आशा

विश्लेषण

– सुनीत ठाकुर, एडमिन, हम सब मैथिल छी (फेसबुक ग्रुप)

mithila makhaan“मिथिला मखान” के ट्रेलर देखलहुँ , बहुत नीक मैथिली सिनेमा के झलक दअ रहल अछि ! मैथिली सिनेमा के एक टा नया ऊंचाई प्रदान करेवाला, एहि मैथिली फिल्म के हृदय सँ स्वागत करबाक चाही !

निर्मात्री बॉलीवुड अभिनेत्री नीतू चंद्रा जी और हुनक भाइ आ निर्देशक नितिन चंद्रा जी केँ हुनकर सुन्दर प्रयास केर लेल ह्रदय सँ धन्यवाद देबाक चाही !

सिनेमा के शूटिंग विदेश (अमेरिका , कनाडा ) और मिथिला क्षेत्र केर पंचोभ, तारालाही, बनौलि, राजनगर, दरभंगा आदि जगह भेल अछि ! सिनेमाक प्रमुख कलाकार में क्रांति प्रकाश झा, बॉलीवुड कलाकार पंकज झा और अनुरिता झा आदि छैथ !

कर्णप्रिय गीत उदित नारायण , सुरेश वाडेकर , श्रेया घोषाल , वंदना आदि केर स्वर में अछि ! समस्त मिथिलावासी सँ निवेदन जे नीचा के लिंक क्लिक कअ वीडियो अवश्य देखू , आ सिनेमा रिलीज़ भेला पर हॉल में जा कऽ देखू !

हमरा विश्वास अछि की अपने के अवश्य नीक लागत !

https://www.youtube.com/watch?v=BajHQy1auqg

मैथिली जिन्दाबाद केर समग्र समीक्षा

ओना तऽ मैथिली सिनेमा मे नव प्रयोगक युग पैछला कतेको वर्ष सँ निरंतरता मे अछि, मुदा नितीन निरा चंद्रा केर एहि सिनेमा मे मैथिलीभाषी (भोजपुरी, बज्जिका आदि सहित जे मिथिलाक्षेत्र मे रहैत छथि) केर एकटा स्वभाव जे दूरक ढोल सोहाओन लगैछ, तेकरा एहि फिल्म मे बाकायदा ओ कथा आ दृश्यक संग मिथिलाक ग्लोबल छटा केँ रखबाक प्रयत्न केलनि अछि। अमेरिका सँ गाम लौटबाक निर्णय – बाबा केर कारोबार केँ फेर सँ मूल जमीन पर उतारबाक नायकत्व आर शहर तथा गामक बीच मे अकाट्य सनातन संबंध केँ कोन तरहें निर्वाह कैल जायत ताहि मर्मक संग ई सिनेमा मैथिल दर्शक मे एकटा जिज्ञासा ट्रेलरक माध्यम सँ छोड़ि रहल अछि। मैथिली सिनेमा मे नव प्रयोगक एकटा क्रान्तिकारी उदाहरण बनत ई फिल्म से भविष्यवाणी कैल जा रहल अछि। मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ शुभकामना!! नव वर्ष २०१६ लेल ई नव उपहार साबित हो!!