मैथिली काव्य युवराज्ञी शान्तिलक्ष्मी चौधरी भेली सम्मानित

पटना, दिसम्बर २८, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

shantilaxmi awardedशनि दिन २६ दिसम्बर २०१५ पटनाक कैलासपति सभागार मे भाजपा द्वारा आयोजित ‘कलाकार साहित्यकार सम्मान समारोह २०१५’ मे मैथिली जगत् मे प्रसिद्ध कवियत्री शान्तिलक्ष्मी चौधरी – मिथिलाक प्रसिद्ध मंडन-भारतीक गाम महिसीक पुत्रवधु – प्रसिद्ध समाजशास्त्री एवं मिथिला राज्य निर्माणार्थ तत्पर थिंक टैंक डा. अक्षय कुमार चौधरीक अर्धांगिनी केँ हुनकर काव्य साहित्यमे उल्लेखणीय योगदान लेल ‘सारस्वत सम्मान’ सँ विभूषित कैल गेलनि अछि।

विदित हो जे मैथिली जिन्दाबाद पर सेहो शान्तिलक्ष्मी चौधरीक किछु रास महत्वपूर्ण काव्य रचना पहिने सँ प्रकाशित होइत रहल अछि।

shantilaxmi awarded1भारतीय जनता पार्टीक कला एवं संस्कृति मंच द्वारा भारत रत्न अटल बिहारी वाजपेयी केर ९२वाँ जन्म-दिवस पर आयोजित उपरोक्त सम्मान समारोह मे बिहार विधानसभा मे प्रतिपक्ष केर नेता डा. प्रेम कुमार केर हाथ सँ मैथिली काव्य युवराज्ञी ‘शान्तिलक्ष्मी चौधरी’ केँ सम्मान स्वरूप प्रशस्ति पत्र हस्तान्तरण कैल गेल। एहि अवसर पर बिहार विधानसभाक मुख्य सचेतक अरुण कुमार सिंहा, पार्टीक प्रदेश महामंत्री सुधीर शर्मा तथा आयोजक मंचक प्रदेश अध्यक्ष आनंद मिश्र सेहो उपस्थित छलाह।

मैथिलानी समाज लेल शान्तिलक्ष्मी चौधरी एक आदर्श रोल मोडेल समान छथि। मत्स्य विज्ञान मे जूलोजिस्ट (जन्तुविज्ञानविद्) आर संगहि साहित्य मे ठोकल-ठठायल सटीक वाणी संग लेखनी – हिनक प्रभावी रचना वर्तमान युवा समाज लेल सदिखन प्रेरणास्पद रहल अछि।

मैथिली जिन्दाबाद परिवार केर तरफ सँ शान्तिलक्ष्मी चौधरी व डा. अक्षय कुमार चौधरी सहित समस्त महिषी गाम व मिथिलाक नारी समाज केँ एहि सम्मान पर हर्ष व्यक्त करैत बधाई सेहो ज्ञापन कैल जा रहल अछि।