कुमार रविशंकर, सहरसा। दिसम्बर २७, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
संपूर्ण मिथिलावासी आ खासकय क्रान्तिभूमि सहरसा जिला लेल खुशखबड़ी अछि। एहि ठामक बेटी ऋचा सिंह मिस बिहार प्रतियोगिता मे फाइनल राउन्ड क्वालिफाइ केली अछि। एहि राउन्ड मे अहाँक मत हिनका विजेता बना सकैत छन्हि। निम्न लिंक ‘मिस बिहार’ केर पेज पर ऋचा सिंह केर तस्वीर केँ लाइक करू आर हिनका विजेता बनबैत सहरसा एवं मिथिलाक नाम उँच करू, ई अनुरोध सहरसा सोशियल ग्रुप द्वारा सार्वजनिक तौर पर कैल गेल अछि। यैह अनुरोध मैथिली जिन्दाबाद केर पाठक सँ सेहो कैल जा रहल अछि जे कृपया एहि लिंकपर जाय ऋचा सिंह केर फोटोकेँ लाइक करैत मिस बिहार केर खिताब दियाबी।
https://www.facebook.com/MissBihar/photos/a.409005692498409.96452.236597753072538/975000339232272/?type=3&theater
ऋचा सहरसाक रमेश झा महाविद्यालय सँ अंग्रेजी प्रतिष्ठाक विषय सँ स्नातक केलनि, तेकर बाद पटनाक ए.एन. कालेज सँ एम.ए. (अंग्रेजी) अन्तिम वर्षक परीक्षा देलनि अछि।
ऋचाक माता नुतन सिंह आर पिता राकेश सिंह दुनू गोटे सहरसाक सिविल कोर्ट मे अधिवक्ता छथि। ऋचा बचपनहि सँ फैशनक दुनिया मे रुचि रखैत आब मुकाम धरि पहुँचबाक लेल डेग बढेली अछि। पूर्वहु मे सहरसा जिलाक नाम एनसीसी मे उपलब्धि हासिल करैत ऋचा आगू बढेने छलीह। एहि बेर एकटा खिताबी प्रतियोगिता मे हमर-अहाँ-सबहक सहयोग सँ विजेता बनबाक पूरा आशा रखैत ऋचा कहैत छथि जे जिला सँ आगू राज्य केर नाम रोशन करब आर ओ दिन दूर नहि जखन देश आ विदेश मे सेहो मिथिलाक ई बेटी फैशनक दूनिया मे सफलता हासिल करैत सबहक प्रतिष्ठा केँ बढाओत।

13 Comments
जय मिथला जय मैथली जय हो मिथिलावासी
जय मिथिला
जय मिथिला,जय मैथिली,जय मैथिल.
jay mithila humar support hinka
Jay mithala ,jay Bihar , jay kosi…..Aage badhu hum sab sath chi
जय मिथिला जय भारत ओओम
jai mithla ,jai bihar
jai koshi
hum support kare chhi .
ahu sub agu badh ke support kariyo
We are in your support go ahead all the Best!!!!!
jai mithila jai maithil
जय मिथिला,जय मैथिली,जय मैथिल.
जय मिथिला
Jay maithil jay mithila
Contrats to all maithils for achieving sucess in their lives.