दिल्लीक बुरारी मे ‘विद्यापति स्मृति पर्व समारोह’ आइ

विमलजी मिश्र, नव दिल्ली! दिसम्बर २६, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
vsps burariविश्व मैथिल संघक तत्वावधान मे प्रतिवर्ष आयोजित होय बला नव दिल्ली क बुराड़ी मे आइ शनि दिन विशाल विद्यापति महोत्सव केर आयोजन भ रहल अछि ।
आयोजक समितिक संयोजक व संघक अध्यक्ष हेमन्त झा जनतब देलनि अछि जे उद्घाटन केन्द्रीय गृहमंत्री राजनाथ सिंह करताह । विशिष्ट अतिथिक रूप मे भाजपाक राष्ट्रीय उपाध्यक्ष प्रभात झा, मिथिलाक ख्यातिप्राप्त व्यक्तित्व व समाजसेवी सन्त कुमार चौधरी, सांसद मनोज तिवारी, विधायक संजीव झा आदिक उपस्थिति रहत ।
आजुक संध्या मैथिली सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन होयत जाहि मे मिथिलाक प्रतिष्ठित कलाकार मे सुरेश पंकज, पूनम मिश्र, रश्मि प्रिया, रवीन्द्र जी, रामबाबु झा, दिलीप दरभंगिया, मैथिली ठाकुर आदिक प्रस्तुति रहत । मंच उद्घोषणा मिथिला मंचक प्रसिद्ध हस्ती किसलय कृष्ण आर मैथिली फिल्म अभिनेत्री जानबी झा केर द्वारा कैल जायत।
सभाक आरंभ मे मैथिली भाषा ओ मिथिला संस्कृतिक वर्तमान अवस्था पर आर प्रवासक स्थल पर मैथिल केर राजनैतिक अधिकार विषय पर केन्द्रित विचार गोष्ठीक आयोजन सेहो कैल जायत। मैथिली एवं मिथिला लेल निरंतर योगदान कएनिहार समाजक अगुआ लोकनि केँ सम्मान करबाक खबड़ि अछि। दिल्ली मे विगत किछु वर्ष सँ मैथिली अधिकारकर्मी सब द्वारा अपन पहिचान आर संवैधानिक अधिकार प्रति सजगता केँ कोना प्रत्येक मैथिल तक पहुँचायल जाय ताहि मे सदैव विश्व मैथिल संघ – बुरारीक योगदान अविस्मरणीय रहल अछि।