मधुबनी, दिसम्बर २४, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
आइ मधुबनी मे मैथिली साहित्यकार-पत्रकार-संपादक-प्रकाशक-उद्घोषक-कवि-अभियानी हर रूप मे सूपर हिट फेस “अजित आजाद” केर आवास ‘विवेकपुरम’ मे मैथिलीक महान कवि शिरोमणि “बुद्धिनाथ झा – नागदह” केर एकल कविता पाठ वाचन कार्यक्रमक आयोजन कैल गेल अछि।
निशान्तजी, दिलीप झा, प्रजापति ठाकुर, चण्डेश्वर खाँ, सतीश साजन, दमन कुमार झा, अरविन्द सिंह झा, इन्द्रकान्त झा, सोनू कुमार झा, सुभाष स्नेही, आनन्द मोहन झा, ऋषि वशिष्ठ, राम बाबु झा, छोटकन झा, रजनीश के. झा, गोपाल झा, अभिषेक, बंशीधर मिश्र, त्रिलोक नाथ अनन्त, अजित आजाद - एतेक रास महत्वपूर्ण मैथिली आइकानिक स्रष्टाक उपस्थिति मे आजुक एकल कविता पाठ कार्यक्रम सफलतापूर्वक संपन्न भेल – ई जानकारी संयोजक अजित आजाद अपन फेसबुक स्टेटस मार्फत आम जनमानस केँ करौलनि अछि।
एहि कार्यक्रमक अध्यक्षता त्रिलोक नाथ अनन्त केलनि, तहिना संचालन अजित आजाद आर स्वयं बुद्धिनाथ झा द्वारा संपूर्ण रूप सँ अपन कविता सबहक प्रस्तुति देल गेल छल।

1 Comment
Dhanyawad bhai.