सतीरमण झा, जमुथरि, मधुबनी। दिसम्बर २४, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
आइ झंझारपुरक जमुथरि गाममे संस्कृत, हिन्दी ओ विशेषकय मैथिलीक साहित्यकार, कवि, कथाकार, गीतकार, निबन्धकार, सम्पादक प• यन्त्रनाथ मिश्र केर जयन्ती सह स्मृति दिवस मनायल गेल अछि।
एहि अवसर पर मैथिलीक मूर्धन्य विद्वान् प्रोफेसर विश्वेश्वर मिश्रक अध्यक्षतामे एक साहित्यिक परिचर्चा कार्यक्रम आयोजित भेल । जाहिमे मुख्य अतिथि साहित्य अकादमी पुरस्कृत कर्नल मायानाथ मिश्र, राष्ट्रपति द्वारा सम्मानित विद्वान् डा• किशोरनाथ झा, साहित्यिकी सरिसब पाहीक संयोजक डा• जगदीश मिश्र, जेएनयू दिल्लीक प्रो• गङ्गानाथ झा, प्रो• हरण ठाकुर, प्रो• केदारनाथ झा, प्रख्यात साहित्यकार ओ पत्रकार अजीत आजाद, डा• शिवशंकर श्रीनिवास, युवा अन्वेषक श्री अमल झा, डा• श्रीपति सिंह, श्री मलयनाथ मिश्र, डा• सतीरमण झा सहित दर्जनों वक्ता प• यन्त्रनाथ मिश्रक संस्मरण सह साहित्यिक अवदानक चर्चा करैत श्रद्धासुमन अर्पित करैत मैथिलीक प्रथम शब्दकोशकार प• भवनाथ मिश्रक संग हिनक चारू बालकक वैयाकरण प• तेजनाथ मिश्र, संस्कृत – मैथिलीक महाकाव्य रचयिता, शब्दकोशकार प• मतिनाथ मिश्र, प• यन्त्रनाथ मिश्र ओ आयुर्वेदाचार्य प• पुण्यनाथ मिश्रक योगदानक स्मरण दियाबैत साहित्य साधनाक सिद्धपीठक कौलिक म• म• सचल मिश्र, म• म• मोहन मिश्रक परम्पराक अद्यावधि निर्वहन स्मारित करैत कार्यक्रम संयोजक श्री मलयनाथ मिश्र केँ स्नेहाशीष ओ स्मृति ग्रन्थ प्रकाशन हेतु सहयोगक आश्वासन देलन्हि ।
एहि अवसर पर सम्प्रति फेसबुक पर बहुचर्चित मैथिलीक कवि ओ टिप्पणीकार श्री अमरनाथ झा, प• शम्भुनाथ झा, डा• बोधनाथ मिश्र , श्री विनोदनाथ झा, डा• सुशीलनाथ झा, डा• शंकर झा, श्री राजीव झा, श्री उदयनाथ मिश्र सहित स्थानीय अनेक गण्यमान साहित्यकार ओ साहित्य प्रेमी, पत्रकार लोकनि उपस्थित छलाह ।
कार्यक्रमक संचालन डा• सतीरमण झा कएलन्हि ओ विषयवस्तुक उपस्थापन संयोजक श्री मलयनाथ मिश्र कएलन्हि । एहि कार्यक्रम मे पं. यन्त्रनाथ मिश्रक विभिन्न रचना जे छिटफूट पत्रिका आदि मे प्रकाशित भेल वा नहियो भेल तेकरा सबहक संकलन करैत ऐगला जयन्ति सँ पहिने प्रकाशित करबाक निर्णय लेल गेल। एहि प्रकाशनक संयोजनक भार मलयनाथ मिश्र उठौलनि। हिनका सहयोग देबाक लेल विभिन्न साहित्यकार विद्वान् लोकनि सेहो अपन प्रतिबद्धता जाहिर केलनि।