Search

कानपुर केर मिथिला उत्सवः हर्षोल्लासक संग संपन्न

किसलय कृष्ण, कानपुर। दिसम्बर १८, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

mithila mahotsav kanpur१५ दिसंबर २०१५क साँझ मिथिलांचल महासभा उत्तरप्रदेश, कानपुर द्वारा लाजपत भवनक प्रेक्षागृहमे चारिम मिथिला महोत्सवक आयोजन हर्षोल्लास केर संग सम्पन्न भेल ।

उत्तर प्रदेश सरकारक नगर विकास मंत्री आजम खानक मुख्य आतिथ्य आ के न्यूज़क चैनल हेड माधुरी सिंह, दिल्ली विधान सभाक विधायक संजीव झाक विशिष्ट आतिथ्यमे सम्पन्न भेल उद्घाटन सत्रक अध्यक्षता केलनि संस्थापक रविनाथ मिश्र, मंच पर मिथिलांचल महासभाक अध्यक्ष अमित झा सेहो उपस्थित छलाह । एहि सत्र केर संचालन संयोजक अनिल झा आ किसलय कृष्ण संयुक्त रुपे केलनि ।

आरम्भमे दीप प्रज्वलित भेलाक संगहि विद्यासागर द्वारा गोसाउनि गीतक प्रस्तुति भेल । दोसर सत्र किसलय कृष्ण आ जानबी झाक उद्घोषणामे आरम्भ भेल जाहिमे मैथिलीक प्रसिद्ध कवि अजित आजाद, दीपनारायण विद्यार्थी, रिषी वशिष्ठ, सुभाष चन्द्र झा, सतीश साजन, रामेश्वर निशान्त आदि अपन कविता प्रस्तुत केलनि। तकरा बाद पाहुन फेम गायक सुरेश पंकज मैथिली गीत केर गायन करैत सभागार केँ प्रफुल्लित कय देलनि ।

एहि अवसर पर प्रमुख अतिथि आजम खान द्वारा मैथिल पहिचान अत्यन्त पौराणिक एवं ऐतिहासिक होयबाक बात कहलनि। उत्तर प्रदेश तथा भारतक राजधानी क्षेत्र मे मैथिलक योगदान बहुत सकालहि सँ होइत रहल अछि जे आइ धरि निरंतरता मे रहल अछि। मंचक अध्यक्षता करैत रविनाथ मिश्र कहलैन जे मिथिलांचल महासभा सदिखन अपन अधिकार लेल संघर्ष करैत आयल अछि, ताहि कारण सँ अधिकार नामक स्मारिकाक विमोचन कैल गेल अछि। एहि स्मारिका द्वारा समस्त मैथिलीभाषीकेँ एकजुटताक संग अपन राजनैतिक, सांस्कृतिक, सामाजिक, भाषिक, बौद्धिक अस्मिता प्रति जागरुक बनेबाक कार्य होयत।

मिथिलाक महान गायक सुरेश पंकज एवं मिथिलाक पुत्र वर्तमान दिल्ली विधानसभा सदस्य संजीव झा केँ प्रमुख अतिथि आजम खान केर हाथ सँ मिथिला रत्न सम्मान देल गेल।

विदित हो जे मिथिलांचल महासभा उत्तरप्रदेश एहि बेर चारिम वर्षक आयोजन कएने छल। मिथिला महोत्सव केर नाम पर अगबे गीत-संगीत वा भोज-भातक आयोजन नहि कय एहि संस्थाक अपन एकटा नवीन आ जाग्रत सोच रहैत आयल अछि जे जनमानसक सेवा हो। एकर स्थापनाकाल सँ कार्यक्रमक परिकल्पना बनबैत पूर्व अध्यक्ष व वर्तमान प्रवक्ता सह सल्लाहकार अनिल झा एहि बेर महोत्सव मे निःशुल्क स्वास्थ्य शिविर लगेबाक जानकारी करौलनि। एहि शिविर मे संपूर्ण मैथिल जनमानसक संग अन्य भाषाभाषी ओ संस्कृतिक लोक सब सेहो भाग लैत वांछित लाभ उठौलनि। एहि संस्थाक अध्यक्ष अमित झा जानकारी देलनि जे कोनो कार्यक्रम जाबत जनसरोकार सँ संबंध नहि राखत तऽ ओहि पर खर्च व्यर्थ आ परिणाम शून्य होयत। अतः कानपुर मे मिथिलांचल महासभा सदिखन आपसी एकजुटता सँ महत्वपूर्ण कार्यक्रम करैत आबि रहल अछि, आ ई क्रम सदैव जारी रहत।

साल २०१५ मे निर्धन छात्रक संग-संग उत्कृष्ट प्रदर्शनी लेल छात्रवृत्ति देल गेल छल। पूर्व मे सेहो कतेको जनकल्याणकारी सहयोगक संग समाजक हर वर्ग आ व्यक्ति तक जागृतिक आवाज लैत अधिकारसंपन्न बनबाक संघर्ष जारी रखबाक वचनबद्धता प्रकट सेहो केलैन। संस्थाक समस्त अधिकारीक अपूर्व योगदान सँ एहि बेरुक कार्यक्रम जबरदस्त रहल। देशक अन्य भागक मैथिल सब कानपुरक एहि जागृति सँ जरुर किछु सिखैथ – मैथिली जिन्दाबादक संपादक प्रवीण नारायण चौधरी अपन प्रतिक्रिया मे कहैत सब गोटा केँ बधाई ज्ञापन कयलैन अछि।

Related Articles