मिथिला महोत्सव कानपुर मे काल्हि १५ दिसम्बर केँ

कानपुर, उत्तरप्रदेश। दिसम्बर १४, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

kanpur1कानपुर नगरक मैथिल समाज मे उत्साह चरम पर अछि कियैक तँ मिथिला महोत्सव केर चारिम बेरुक आयोजन काल्हि मंगल दिन आयोजित कैल जायत। एहि महोत्सव मे सब कियो एकजुटता सँ सहभागी बनैत – हर उम्र, हर जाति व धर्मक लोक एकठाम आबिकय अपन अस्मिता, भाषा व पहिचान आदिकेँ संरक्षित – संवर्धित रखबाक लेल मंथन करत।

एहि कार्यक्रमक मुख्य अतिथि नगर विकास मंत्री – उत्तरप्रदेश माननीय आजम खान बनताह। कार्यक्रमक आकर्षण मे मैथिली, हिन्दी, भोजपुरी आदि सब भाषाक प्रसिद्ध कवि लोकनि द्वारा कवि-गोष्ठीक संग सांस्कृतिक संध्याक आयोजन सेहो रहत। एहि कार्यक्रम मे मिडिया सहयोगीक रूप मे ‘हिन्दुस्तान’ केर उपस्थिति सेहो आकर्षणक केन्द्र होयत।

मिथिलांचल महासभाक बैनर मे आयोजित मैथिल समागम केर तैयारी लगभग पूरा कय लेल गेल अछि। मोतीझील स्थित लाजपत भवन मे भोरे सँ धूमधाम रहत। शुरुआत निःशुल्क स्वास्थ्य शिविर सँ होयत। फेर समाजक हर वर्ग केर विकास कार्य पर मंथन – विमर्श होयत। एहि कार्यक्रम मे आप विधायक संजीव झा केर सेहो विशिष्ट अतिथिक तौर पर सहभागिता रहत। विदित हो जे एहि संस्थाक आजीवन संरक्षक कानपुर सांसद व भाजपाक वरिष्ठ नेता डा. मुरली मनोहर जोशी छथि।

अध्यक्ष अमित झा कहलनि जे कार्यक्रमक उद्देश्य अपन भाषा, संस्कृतिक संरक्षणक संग समाजक एकजुटता आर विकास लेल सब स्तर पर प्रयास करब अछि। एहि शहर मे मैथिल जनमानसक संख्या करीबन डेढ लाख अछि। समाजक सेवा लेल कोन तरहें कार्य कैल जाय ताहि लेल रणनीति सेहो बनायल जायत।

एहि कार्यक्रम केँ अपूर्व सफलताक लेल संस्थापक आर. एन. मिश्रा व संयोजक अनिल झा सहित संस्थाक अधिकारी राजकुमार मिश्र, देवेंद्र झा, नित्यानंद झा, अमर कांत चौधरी व अन्य केर देखरेख मे सब कार्य निष्पादित कैल जा रहल अछि।