कोलकाता, दिसम्बर १३, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
संस्कृति मंत्रालय, भारत सरकारक कार्यक्रम- “Scheme For The Award Of Fellowship To Outstanding Persons in The Field Of Culture” अन्तर्गत कनिष्ठ ओ वरिष्ठ अध्येतावृत्ति (जूनियर तथा सीनियर फेलोशिप) वर्ष २०१३-१४ चयन हेतु आयोजित चयन प्रक्रियाक परिणाम किछुए समय पूर्व मे घोषित कैल गेल अछि।
मैथिली साहित्यक अन्तर्गत विविध विषयपर शोधकर्ताक रूपमे एहि बेर कनिष्ठ अध्येताक रूपमे मैथिली साहित्यकार लेखक चन्दनकुमार झा, रंगकर्मी एवं टी.वी अभिनेताक संग मिथिलाक्षरक विकास लेल कार्यरत अभियानी कौशल कुमार तथा रंगकर्मी संतोष कुमारक चयन भेल अछि।
तहिना वरिष्ठ अध्येताक रूपमे आमोद कुमार झा आ दीप नारायण ठाकुरक चयन भेलनि अछि। विशेष उल्लेखनीय अछि जे एहि वर्ष मैथिली साहित्यक लेल सर्वाधिक-पाँच गोट अध्येता चयनित भेलाह अछि। एहिसँ पूर्व कोनो एक वर्षमे अधिकतम चारि गोट साहित्यकारक चयन भेल छल।
प्राप्त सूचनानुसार चन्दनकुमार झा- आधुनिक मैथिली गीतिकाव्यक विकास ओ परम्परा, कौशल कुमार – मिथिलाक्षर विकासक प्रक्रिया, संतोष कुमार – स्वातंत्रयोत्तर कालमे मैथिली नाटकक विकास ओ आमोद कुमार झा – मैथिली संत साहित्यक अध्ययन ओ विश्लेषण विषयक शोध-प्रबन्ध आगामी दू-वर्षमे प्रस्तुत करताह।
ज्ञात हो जे भारत सरकारक संस्कृति मंत्रालय एहि कार्यक्रमक अन्तर्गत प्रतिवर्ष साहित्य ओ कला क्षेत्रमे उल्लेखनीय कार्य कयनिहार व्यक्तिक वरिष्ठ ओ कनिष्ठ अध्येताक रूपमे चयन हेतु आवेदन आमंत्रित करैत अछि आ एकटा निश्चित प्रक्रियाक अन्तर्गत अधिकतम चारि सय अध्येताक, दू-वर्षक लेल कोनो खास विषयपर शोध-प्रबंध प्रस्तुत करबाक लेल चयन करैत अछि।
मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ सब अध्येतावृत्ति लेल चयनिय व्यक्तित्व केँ हार्दिक बधाई!!