मैथिली कविताक नवरूप – “निर्झर” हैदराबाद मे विमोचित

अक्षर निर्झर - मैथिली काव्य संग्रह - बुद्धिनाथ झा केर रचित पोथीक विमोचन हैदराबाद मे संपन्न

विकास झा, हैदराबाद। दिसम्बर १०, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

nirjhar buddhinath jhaमैथिलीक मंचिय परम्पराक सलाखा उद्घोषक ,स्वनामधन्य कवि-साहित्यकार श्रद्धेय श्री बुद्धिनाथ झाजीक मैथिली काव्य-संग्रह ‘अक्षर-निर्झर’ केर विमोचन ‘देसिल बयना’क संस्थापक/संयोजक श्री दयानाथ झाजी आ मिथिला सांस्कृतिक परिषद्, हैदराबादक अध्यक्ष श्री आलोक कुमार झाजीक द्वारा दिनाँक ८/१२/२०१५ केँ हैदराबाद मे उपस्थित साहित्यानुरागी सभक समक्ष संपन्न भेल।

अहि कार्यक्रमक संचालन करैत क्रिएटिव कैंपस प्रकाशनक संस्थापक श्री मोहन मुरारी झा अपन सम्बोधन मे एकरा एकटा ऐतिहासिक क्षण कहैत बजला जेँ आम लेखकक लेल पोथी प्रकाशनक असुविधाकेँ देखैत ‘क्रिएटिव कैंपस प्रकाशन’क स्थापना प्रायः 6 मास पूर्व केने छलाह। आइ श्रद्धेय बुद्धिनाथ झा जीक कविता संग्रह ‘अक्षर निर्झर’क हैदराबाद मे लोकार्पणक संग ‘क्रिएटिव कैंपस’ प्रकाशन सँ पहिल पोथी प्रकाशित करबाक हुनका सौभाग्य प्राप्त भेलनि अछि।

युवा साहित्यकार आ ‘प्रवासी’ पत्रिकाक संपादक श्री विनय कुमार झा हुनक काव्यक विशेषता पर प्रकाश दैत कहलनि जे हिनक काव्य मे विद्यापतिक व्यंजना आ अपन बयनाक सौंदर्य प्रस्फुटित होयत अछि जे पाठक केँ जिनगीक सब अपरूप सँ अवगत करबैत ओहि मझधार मे एसगर नहि छोड़ि पुनः संभावनाक लोक मे झीकि अनैत अछि। आदरणीय कवि श्री बुद्धिनाथ झाजी प्रकाशित पोथीक दू टा रचना पाठ क’ समस्त श्रोतालोकनि केँ मुग्ध कयलन्हि।

कार्यक्रम मे उपरोक्त महानुभाव सभहक अतिरिक्त देसिल बयनाक अध्य्क्ष श्री चंद्रमोहन कर्ण, महासचिव आ चर्चित युवा साहित्यकार मनोज शांडिल्य, विकाश कुमार झा, शारदा झा, मीनाक्षी चौधरी आदि साहित्यप्रेमी लोकनिक उपस्थिति रहलनि।

विश्वास कैल जा रहल अछि जे ‘क्रिएटिव कैंपस प्रकाशन’क ई पहिल अर्घ्य ‘अक्षर निर्झर’ सँ मैथिलीक समस्त पाठक आह्लादित हेताह आ संगे आशा सेहो कैल जा रहल अछि जे सभ साहित्य-प्रेमीगण एहि दुनू गोटेकेँ एहि उत्कृष्ट सृजनक लेल बधाई आ शुभकामना देबय आगाँ रहता आ संगहि पोथी कीनि-पढ़ि क’ अनुपम सरस मैथिली काव्यक आनंद लैत लेखक आ प्रकाशकक उत्साहवर्धन सेहो करताह।

पोथी शीघ्र Amazon आ SappyMart पर सेहो उपलब्ध होयत। 160 टाका मूल्यक ई पोथी एखन विशेष ऑफरक तहत मात्र 125 टाका मे उपलब्ध होयत । ई जानकारी प्रकाशक व लेखक करौलनि।