दिल्ली, दिसम्बर ३, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
मैथिली एवं हिन्दी रंगकर्म तथा सिनेमा जगत् केर नामी कलाकार – अभिनेता सागर झा विगत किछु वर्ष सँ ‘विद्यापति’ केर भूमिका निर्वाह करैत महाकविक जीवन चरित्र पर आधारित विभिन्न तरहक एकांकी प्रस्तुति सब करैत आबि रहल छथि।
दर्शक हुनकर प्रस्तुति एवं विद्यापति सँ जुड़ल चरित्र तथा भूमिका केर बखूबी सराहना करैत अछि। समारोह मे एकटा विशेष अंग केर रूप मे हिनकर प्रस्तुति गानल जाएछ।
अभिनेता झा किछु समय लेल एकटा नाट्य समूह केर स्थापना दिल्ली एनसीआर मे सेहो केलनि, मुदा किछु लफुआ आ नंगटाक कूसंगत मे अभियान कतहु हेरा गेल मानैत छथि।
मैथिली ओ मिथिलाक अभियान मे सब कियो बाघक बच्चा जेकाँ पंजा-पंजा खेलाइत छैक, ढाही लड़ैत छैक, आ बकथोथी तथा गप्पबाजी मे कियो केकरो सँ उन्नैस नहि पड़ैत छैक। तहिना घोषणा पर घोषणा मैथिलक खास गुण सब थिकैक जेकर जतेक आलोचना करब से कम होयत। स्वयं अभिनेता झा केर मस्तिष्क मिथिला प्रति कि करी – कि नहि करी, कतेक जल्दी करी, पहाड़ ढाहि दी… एहि तरहक देखबा मे आयल अछि। अभिनेता झा द्वारा बेरोजगारी मुक्त मिथिला सँ लैत कोनो पीड़ित परिवार केँ सहयोग दियेबाक मुहिम चलौनाय आर सामाजिक संजाल पर मैथिली-मिथिला अभियानीक विरुद्ध अपन तीत अनुभव केर तीखास निकालनाय – एहेन अनेक रास पृष्ठभूमि मे कार्य होइत देखल गेल अछि। एहेन अवस्था मे हिनक नव सपना छन्हि जे दिल्लीक खुल्ला मंच पर ‘उगना’ समान प्रसिद्ध नाटक केर मंचन करी। मुदा ताहि लेल ई फेर अपन फुकास्टिंग डिजाइन सँ कलाकार सबकेँ फेसबुक मार्फत आमंत्रित केलनि अछि। दुविधा तऽ होइत अछि जे ई सपना एना केना पूरा होयत, मुदा अभिनेता सागर झा केर एकटा विशेषता रहल अछि जे ई जाहि बात पर अडिग सोच बनबैत छथि, ओकरा येन-केन-प्रकारेन पूरा करबे टा करैत छथि। देखा चाही जे ई नव सपना कहिया धरि पूरा होइछ आ कि खाली फूकास्टिंग बनिकय रहि जाएछ।
विस्तृत जानकारीक संग मैथिली जिन्दाबाद पुनः अपने सबहक सोझाँ एहि समाचार पर श्रृंखलाबद्ध रिपोर्ट दैत रहत। फिलहाल जिनका किनको एहि नाटक मे कलाकारिता देखेबाक हो ओ सागर जी केर फेसबुक एकाउन्ट जेकर लिंक अछि https://www.facebook.com/sagar.jha.549 ताहि पर जाय इन्बाक्स मे सम्पर्क करू, यैह ओ जानकारी करौलनि अछि। विशेष शुभकामनाक संग मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ हर तरहक सहयोग देबाक प्रतिबद्धता प्रकट करैत ई सपना शीघ्र पूरा हो ताहि लेल शुभकामना दैत छियन्हि।
हरिः हरः!!