दीप नारायण विद्यार्थी, मधुबनी। दिसम्बर २, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
किरण जयन्ती समारोह सह गजल कार्यशालाक आयोजन
मधुबनी मे नवारंभ प्रकाशन द्वारा मैथिली व हिन्दी भाषाक साहित्यकार – कवि – पत्रकार एवं प्रतिष्ठित अभियानी श्री अजित आजाद केर आवास पर किरण जयन्ती समारोह सह सात दिवसीय गजल कार्यशालाक आयोजन आरंभ हेबाक समाचार भेटल अछि।
आयोजनक उद्घाटन सत्रक अध्यक्षता योगानन्द सिंह झा केलनि । किरणजीक कृतित्व पर मुख्य रुपसँ वक्ता लोकनि अपन विचार रखलनि। मुख्य वक्ता मे अरविंद ठाकुर, प्रो. केदार नाथ झा, सतीरमण झा, लखण जी चौधरी, प्रितम निषाद, दिलीप झा, प्रजापति ठाकुर, ऋषि वशिष्ठ, सतिश साजन, निशांत जी, आनंद मोहन झा, व अन्य विद्वान् वक्ता लोकनि द्वारा मैथिलीक धुरन्धर लेखक-स्रष्टा सह अभियानी डा. काञ्चीनाथ झा किरण केर जीवनी व मैथिली-मिथिला लेल कैल गेल योगदान पर प्रकाश देलनि।
तहिना कार्यक्रम मे सहभागी विद्वान् सतीरमण झा जानकारी कराबैत कहलनि जे
विवेकपुरम् (मधुबनी) मे नवारंभ द्वारा डा• काञ्चीनाथ झा “किरण” जयन्ती मनाओल गेल । सात दिवसीय गजल कार्यशाला केर आयोजन एहि संग आरम्भ भऽ चुकल अछि। कतेको रास विशिष्ट विद्वान डा• योगानन्द सिंह झा केर अध्यक्षता मे किरणजीक चित्र पर माल्यार्पण ओ पुष्पाञ्जलि करैत उद्घाटन सत्र प्रारम्भ केलनि ।
स्वागत ओ विषय उपस्थापनक संग कार्यक्रम संयोजक अजीत आजादक सञ्चालन सॅ किरण जयन्ती प्रारम्भ भेल । किरणजीक व्यक्तित्व ओ कृतित्व पर प्रकाश दैत श्रद्धाञ्जलि व्यक्त केलन्हि – डा• सतीरमणझा, साहित्यकार अरविन्द ठाकुर, डा• विनय विश्वबन्धु, दिलीप कुमार झा, दीपनारायण विद्यार्थी, डा•वंशीधर मिश्र, प्रीतम कुमार निषाद, सतीश साजन, ऋषि वशिष्ठ, डा•लखनजी चौधरी, रामेश्वर निशांत, आनन्द मोहन झा, गोपाल झा अभिषेक, कवि नवीन आशा, कल्पकवि, अंजली कुमारी आदि अनेक कवि ओ साहित्यकार ।
एहि अवसर पर “किरण मेमोरियल एडुकेशनल एण्ड वेलफेयर सोसायटी” हजारीबाग द्वारा वर्ष 2015 क किरण साहित्य सम्मान लेल नव धाराक कवि ओ अपूर्वा, सोनचिड़ैया, लाख प्रश्न अनूत्तरित आदिक रचनाकार, सम्पादक राम लोचन ठाकुर केर नामक घोषणा डा• सतीरमण झा करैत 9 अप्रिल 2016 केँ किरण पुण्यतिथि केर अवसर पर सम्मान प्रदानक समय समवेत रूप सँ साहित्यकार लोकनिक उपस्थिति लेल अनुरोध कएलन्हि ।
धन्यवाद ज्ञापन प्रो• केदारनाथ झा करैत संयोजक अजीत आजाद केँ सफल आयोजन लेल विशेष बधाइ देलन्हि । आयोजनकर्ताक तरफ सँ दीप नारायण विद्यार्थी द्वारा सेहो सबकेँ धन्यवाद ज्ञापन करैत एहि सत्रक समापन कयल गेल।