हैदराबाद मे देसिल बयनाक ‘विद्यापति स्मृति गोष्ठी’ संपन्न

मनोज शाण्डिल्य, हैदराबाद। दिसम्बर १, २०१५.

vsps hyderabad1हैदराबादक मैथिली साहित्य मंच ‘देसिल बयना’ द्वारा आयोजित ‘विद्यापति स्मृति गोष्ठी’ विगत रविदिन, दिनांक 29/11/2015 क’ सफलतापूर्वक सम्पन्न भेल।

दू सत्रक एहि साहित्यिक अनुष्ठान मे पहिल सत्र मे कवि-कोकिल महाकवि विद्यापति पर केंद्रित अभिभाषण आ व्याख्यान भेल। भोजनोपरांत दोसर सत्र मे काव्य-गोष्ठीक आयोजन भेल। एहि अवसर पर ‘देसिल बयना’ पत्रिकाक छठम अर्घ्य सेहो विमोचित भेल।

vsps hyderabad2आयोजक द्वारा कार्यक्रमक सफलताक हेतु अपने लोकनिक शुभकामनाक लेल ‘देसिल बयना’ परिवारक दीसि सँ धन्यवाद ज्ञापन कैल गेल अछि।

भारतक विभिन्न कोण सँ आमंत्रित कवि जाहि मे युवा अरुणाभ सौरभ तथा विकास झा केर सहभागिता मुख्य रहल। स्थानीय विद्वान् तथा मैथिल समाजक नीक उपस्थिति एहि कार्यक्रमक शोभा केँ बढौलक।

vsps hyderabad4मैथिली भाषा मे पठन संस्कृति केँ बढावा देबाक लेल आयोजक लोकनि पुस्तक मेलाक आयोजन सेहो रखने छलाह। एहि ठाम नीक संख्या मे पोथीक बिक्री संभव भेल।

कार्यक्रमक आयोजनकर्ताक संबंध मे विस्तृत जानकारी लेल समाचारपत्रक निम्न कटिंग सेहो राखि रहल छी। मैथिली जिन्दाबाद एहि सफल आयोजन लेल सब गोटा केँ बधाई ज्ञापन कय रहल अछि।

vsps hyderabad5