केन्द्रीय मंत्री डा. हर्षवर्धनक मुख्य आतिथ्य मे मिथिला समारोह

दिल्ली, नवम्बर ३०, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

सन्दर्भः मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह – दिल्ली

vsps abmsकाल्हि २९ नवम्बर २०१५ रवि दिन दिल्ली मावलंकर भवन मे अखिल भारतीय मिथिला संघ केर तत्त्वावधान मे भव्यतापूर्वक संपन्न भेल अछि।

कार्यक्रमक उद्घाटन केन्द्रीय विज्ञान व प्रौद्योगिकी मंत्री डा. हर्षवर्धन द्वारा दीप्ति प्रज्वलनक संग मिथिलाक विभिन्न विभूति लोकनि पर माल्यार्पण करैत कैल गेल। एहि अवसर पर मिथिलाक गरिमामयी सभासद लोकनिक उपस्थिति मे सभा केँ संबोधन करैत केन्द्रीय मंत्री डा. हर्षवर्धन मिथिलाक पौराणिकता सँ आधुनिक काल धरिक विभिन्न योगदान मे मिथिला द्वारा बौद्धिक योगदान विश्व भरि मे सर्वोच्च स्थान पर रहबाक बात कहलनि।

तहिना दरभंगा सँ सांसद कीर्ति आजाद मैथिली भाषा केँ अपन राज्य मे पर्यन्त विभेद करबाक आरोप लगबैत राष्ट्रीय संविधानक आठम अनुसूची मे भेटल स्थान केँ पर्यन्त अपमानित करैत दोसर राजभाषाक दर्जा नहि देल जेबाक राज्य सरकार पर आरोप लगौलनि। मैथिली भाषा केर माध्यम सँ प्राथमिक शिक्षाक संवैधानिक मौलिक अधिकार लागू करबाक लेल सेहो सरकार आनाकानी कय रहल अछि तथा मैथिली पढेबाक लेल शिक्षक केर नियुक्ति तक नहि कय रहल अछि, संगहि मिथिला क्षेत्रक आर्थिक विकास पर दोहरी नीति बिहार सरकार अपनाबैत अछि। एहि विभेद आर उत्पीडण सँ लड़बाक लेल संघर्ष कड़ा कैल जेबाक बात कहैत सांसद कीर्ति आजाद अपन पूर्वक मांग ‘पृथक् मिथिला राज्य’ केर आवश्यकता रहबाक बात कहलनि। ओ संसद मे सेहो एहि सब मांग पर आवाज उठेबाक आश्वासन देलनि।

मिथिलाक मधुबनी सँ सांसद हुकुमदेव नारायण यादव, दिल्ली मे मैथिल विधायक ऋतुराज झा, पूर्व कांग्रेसी सांसद महाबल मिश्रा, भाजपाक दिल्ली प्रदेश अध्यक्ष एस सी एल गुप्ता, ब्रिगेडियर अनिल झा, मिथिला विकास परिषद्, कोलकाताक संस्थापक अध्यक्ष अशोक झा, मिथिला राज्य निर्माण सेनाक राष्ट्रीय उपाध्यक्ष अमर नाथ झा, कोषाध्यक्ष संजीब सिन्हा, पूर्व अध्यक्ष हेमन्त झा, दिल्ली प्रदेश अध्यक्ष संजय झा, मिथिला स्टुडेन्ट युनियन केर राष्ट्रीय अध्यक्ष अनुप मैथिल व अन्य गणमान्य सदस्य लोकनिक संग-संग अनेकानेक मैथिल महिला व पुरुष केर उपस्थिति रहल छल।

vsps abms1कार्यक्रम मे उपस्थित ललितेश मोहन झा आयोजक प्रति आभार प्रकट करैत कहैत छथि जे एतेक भव्य कार्यक्रम दिल्लीक हृदयस्थली मे आयोजन करबाक महत्वपूर्ण कार्य सँ मिथिलाक गौरव बढल। आयोजक संस्था अखिल भारतीय मिथिला संघ केर सब पदाधिकारी एवं सक्रिय कार्यकर्त्ता लोकनिक संग हज़ारोक संख्या मे दर्शक लोकनि दिल्लीक विभिन्न भाग सँ कार्यक्रम मे सहभागी भेल छलाह। कार्यक्रम मे मिथिलाक लोकनृत्य एवं गीत संगीत देखि सुनि कर मन आनन्दित भ उठल – कहैत छथि ललितेशजी। “बहिन मैथिली ठाकुर केर मुख सँ ब्राह्मण बाबू यौ… मिथिलाक ई पारंपरिक गीत सुनिकय मन गदगद भेल आर हुनकर प्रतिभा देखिकय गौरवांवित महसूस सेहो केनौ” ललितेशजी कहलनि।

दुर्भाग्यवश एतेक प्रतिष्ठित कार्यक्रम मे किछु अनुशासनहीन धिया-पुता द्वारा माननीय सांसद व वरिष्ठ नेतृत्वकर्ता हुकुमदेव नारायण यादव जी केर गरिमामय संबोधनक समय हूटिंग कैल गेल छल। आयोजनकर्ता एहि तरहक दुर्व्यवहार प्रति अतिथि सँ क्षमा-प्रार्थना कएलनि आर खेद प्रकट करैत दर्शक श्रोता सब सँ अनुशासित रहैत मिथिलाक प्रतिष्ठा बढेबाक अनुरोध केलनि।

एकटा प्रत्यक्षदर्शी प्रशान्त झा कहैत छथि जे कोनो युवा मैथिल जँ हुकुमदेव जी संग किछु प्रश्ने पूछि लेलनि ताहि पर आयोजक केँ एना भारी नहि बनेबाक चाहैत छल। दर्शक केर अधिकार होइत छैक जे ओ खूलिकय मंचासीन अतिथि सँ किछु पूछैथ। सांसद हुकुमदेव नारायण यादव मिथिलाक प्रतिनिधित्व एतेक वर्ष सँ कय रहला अछि, मुदा आर्थिक विकास केर कोनो समुचित डेग नहि उठा सकबाक आरोप हुनका ऊपर लगैत छन्हि। यैह सँ जुड़ल किछु प्रश्न पूछबाक चेष्टा उपस्थित मिथिला स्टुडेन्ट युनियनक कियो युवा नेता हुकुमदेव जी संग केने छलाह, ई अपुष्ट खबैड़ भेटल अछि।

एहि अवसर पर तीन गोट मैथिल केँ विभिन्न सम्मान सँ विभूषित कैल गेल छल। शिक्षाक क्षेत्र मे महत्वपूर्ण योगदान लेल संदीप झा केँ डा. सर गंगानाथ झा सम्मान, क्षेत्र केर विकास लेल योगदान लेल अशोक झा केँ बाबुसाहेब चौधरी सम्मान एवं मैथिलीपुत्र प्रदीप केँ भोगेन्द्र झा स्मृति सम्मान देल गेल छल। बकौल सुनीत झा, संस्थापक – हम सब मैथिल छी (फेसबुक ग्रुप) संस्था द्वारा ई सब सम्मान केर घोषणा पहिले बेर कैल गेल अछि। सांस्कृतिक कार्यक्रम मे कुञ्जबिहारी मिश्र, हरिनाथ झा, अंजू झा (रंगीली भौजी) आदि केर उल्लेखनीय उपस्थिति रहल। एहि अवसर पर संस्था द्वारा स्मारिका केर प्रकाशन व विमोचन सेहो कैल गेल।

अन्त मे आयोजक संस्थाक अध्यक्ष विजय चन्द्र झा सभा केँ धन्यवाद करैत एहेन अपार भीड़ सहित कार्यक्रम केँ सफल बनेबाक लेल आभार सेहो प्रकट केलनि।