दिल्ली, नवम्बर २८, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिलाक एक प्राचीन एवं प्रतिष्ठित संस्था अखिल भारतीय मिथिला संघ द्वारा काल्हि रवि दिन २९ नवम्बर २०१५ केँ मावलंकर भवन मे ‘मिथिला विभूति पर्व समारोह’ केर आयोजन कैल जायत।
प्रत्येक वर्ष भव्यतापूर्वक कैल जायवला एहि आयोजन मे दिल्ली सरकार व केन्द्र सरकार केर प्रतिनिधित्वक संग समस्त भारत व नेपाल सँ मैथिल विद्वान् तथा अभियानी लोकनि सहभागी होएत छथि। मिथिला लोकसंस्कृतिक संरक्षणार्थ विभिन्न उपक्रम सहित प्रसिद्ध गायक-गायिका-नर्तक-नाटककार लोकनिक विभिन्न प्रस्तुति एहि कार्यक्रमक मुख्य हिस्सा होइत अछि। एहि बेर कुन्जबिहारी मिश्र, हरिनाथ झा, अंजू झा, राम सेवक ठाकुर आदिक प्रस्तुति कैल जायत। मैलोरंग द्वारा नाटकक आयोजन एहि समारोहक भव्यता केँ आरो निखारत। स्मारिका विमोचन जे हरेक वर्ष कैल जाएछ अहु बेर कैल जायत। उद्घाटन सत्र मे मुख्य अतिथिक रूप मे के आमंत्रित छथि, संगहि विद्वत् सभा – विचार गोष्ठी मे के सब सहभागी हेता ताहि विषय मे विस्तृत जानकारी उपलब्ध नहि भऽ सकल अछि। परञ्च परंपरानुसार एहि समारोह मे मिथिलाक विभिन्न विभूति यथा विद्यापति, सलहेश, यात्री, ललित नारायण, आदिक स्मरण-समर्पणक चर्चाक संग सम-सामयिक विषय पर चर्चा-मंथन रहैत आयल अछि। दिल्लीक एक प्रसिद्ध भवन मे हर वर्ष ई आयोजन कैल जाएछ जाहि मे समस्त दिल्ली सँ अपार जनसमुदायक उपस्थिति रहैत आयल अछि। मिथिलाक लोककला प्रदर्शनी, फिल्म फेस्टिवल, आदिक सेहो आयोजन एहि संस्था द्वारा कैल जायवला आयोजनक हिस्सा रहि चुकल अछि। संस्थाक अध्यक्ष विजय चंद्र झा केर कर्मठ प्रयास सहित समस्त अधिकारी लोकनिक अभूतपूर्व योगदान सँ ई वार्षिक आयोजन मिथिला ओ मैथिलीक शान केर रूप मे देशक राजधानी मे स्थापित अछि।
मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ सफलताक शुभकामना!!