सामा-चकेबा पाबैन नोएडामे समारोहपूर्वक संपन्न

नोएडा, भारत। नवम्बर २७, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

sama chakeba noidaनोएडा – एनसीआर मे समारोहपूर्वक सामा-चकेबा विसर्जनोत्सव मनायल गेल। शिव शक्ति सोसाइटी – नोएडा द्वारा सेक्टर ७१ मे हरेक वर्ष एहि पावैन केँ राष्ट्रीय पर्व केर रूप मे मनायल जाएत अछि। एहि सोसाइटी मे अधिकांश मैथिल सदस्य लोकनि आबद्ध छथि आर अनेकों वर्ष सँ एहि परंपरा केँ गाम-घर सँ दूर पर्यन्त जिन्दा रखने छथि। गैर-मैथिल समाज व राजनीतिक क्षेत्र सँ सेहो अनेकानेक नेतागण आदि एहि समारोह मे बैढ-चैढकय हिस्सा लैत छथि। एहि बेरुक समारोह मे बाबा विद्यापति केर स्मृति सेहो आयोजित कैल गेल छल।

सोसाइटीक अध्यक्ष विश्वंभर ठाकुर कहलैन जे एहि समारोह मे समूचा एनसीआर सँ गणमान्य व्यक्तित्वक सहभागिता होएत अछि। मैथिली फिल्म तथा संगीत क्षेत्र मे अग्रणी कलाकार लोकनि केँ सेहो नीक अवसर देल जाएछ। तहिना मिथिला संस्कृति प्रति सेवाक भावना सँ लागल विभिन्न अभियानी लोकनि केँ सेहो सहभागिताक अवसर भेटैत अछि। सब सँ बेसी महत्वपूर्ण एहि ठामक सर्ववर्गीय सहभागिता रहैत अछि। मिथिलाक बाहरो सँ विभिन्न संस्कृतिक लोक सबकेँ हमरा लोकनिक संस्कृति व संस्कार सँ परिचिति भेटैत छन्हि।

sama chakeba noida1शिव शक्ति सोसाइटी (रजिo) नोएडा द्वारा आयोजित दिनांक 25-11-2015 शामा- चकेबा विसर्जनोत्सव सह बाबा विद्यापति स्मृति समारोहक किछु दृश्य पहिल डाला फेरक जाहि मे संस्थाक महिला सदस्या सब, दोसर भगबतीक बंदनाक श्रीगणेश करैत मैथिल गायिका अंजु झा आ तेसर मे दीप प्रज्वलीत करैत संस्थाक अध्यक्ष विश्वम्भर ठाकुर, बायँ सँ नोएडाक वर्तमान बिधायक श्रीमती बिमला बाथम, मुन्ना शर्मा, खेलन झा आओर अन्य।

sama chakeba noida2 sama chakeba noida3