बेगुसराय, अक्टुबर २३, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
प्रथम ” भूपेंद्र देव कोसी सम्मान ” समारोह सहकवि-सम्मलेन
काल्हि दिनांक 22/11/15 केँ सुप्रसिद्ध शिक्षाविद् डा. भूपेंद्र देव केर स्मृति मे गठित संस्था DBD Foundation द्वारा प्रसिद्ध साहित्यकार व जे एन यू, नई दिल्ली, केर भारतीय भाषा केंद्र मे प्रोफ़ेसर डा. देवशंकर नवीन केँ संस्थाक तरफ सँ सम्मानित कैल गेल अछि। सम्मान स्वरुप हुनका एगारह हज़ार केर राशि, प्रशस्ति-पत्र, प्रतीक-चिह्न, तथा शॉल भेंट कैल गेल।
आयोजन संस्था सँ जुड़ल मैथिली तथा हिन्दीक स्रष्टा प्रदीप बिहारी अपन फेसबुक मार्फत अपडेट देलनि अछि जे आइ डी वी डी फाउण्डेसन, बेगूसराय – नयी दिल्ली -सहरसा द्वारा डा. देवशंकर नवीन केँ मैथिली-हिन्दी साहित्य मे उल्लेखनीय कार्य हेतु “डा. भूपेन्द्र देव कोसी सम्मान” सँ सम्मानित कैल गेलनि।
ई सम्मान काल्हि डा. भुपेन्द्र देव केर स्मृति समारोह मे हुनका देल जेबाक समाचार साहित्यकार शेखर सावंत सँ भेटल अछि। अभियानी तथा पत्रकार विजय महापात्रा मैथिली जिन्दाबाद सँ बात करैत कहला जे समारोह मे शिक्षाविद् देव केर स्मृतिक संग-संग कवि सम्मेलनक सेहो आयोजन कैल गेल छल जाहि मे दर्जनों नामी-गिरामी कवि लोकनि अपन कविता वाचन कएने छलाह। समारोह पहिले बेर आयोजन कैल गेल छल आर सम्मानक स्थापनाक संगहि प्रथमहि डा. नवीन केँ ई सम्मान देल गेल अछि। मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ संस्थाक स्थापनाक उद्देश्य-सफलता लेल शुभकामनाक संग सम्मानित डा. नवीन केँ हार्दिक बधाई ज्ञापन करैत अछि।