बनारस, अक्टुबर २२, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
आइ २२ अक्टुबर केँ बनारस मे विद्यापति स्मृति पर्व समारोह केर आयोजना कैल गेल अछि। मैथिल समाज, बनारस द्वारा आयोजित एहि कार्यक्रमक मुख्य अतिथि भारतीय पुरातत्त्व सर्वेक्षण केर क्षेत्रीय निर्देशक फणिकान्त मिश्र छथि। संगहि एहि कार्यक्रम मे समस्त भारत सँ मैथिल विद्वान् ओ अभियानी लोकनि आमंत्रित छथि। मंच संचालनक भार मिथिलाक प्रसिद्ध उद्घोषक किसलय कृष्ण द्वारा कैल जेबाक अछि।
पराडकर स्मृति भवन, गोलघर, मैदागिन पर अपराह्न २ बजे सँ कार्यक्रमक आयोजन कैल जायत। एहि अवसर पर स्मारिका सेहो प्रकाशित-विमोचित कैल जायत। ई जानकारी एडवोकेट निरसन झा – संस्थापक अध्यक्ष, मैथिल समाज, बनारस द्वारा मैथिली जिन्दाबाद केँ प्राप्त भेल अछि।
विदित हो जे मैथिल समाज स्वभाववश खण्डित संगठन संग कतहु अपना केँ स्थापित करैत छथि जाहि मे काशी सेहो पाछाँ नहि अछि। एतय कम सँ कम ३ टा संस्था द्वारा अलग-अलग कार्यक्रम आदि आयोजित कैल जाएछ। कियो साल मे सामूहिक उपनयन कार्यक्रम करैत छथि तऽ कियो विद्वत् गोष्ठी। आपसी एकताक कमी सँ खण्डित मैथिल समाज तदापि संघर्ष जारी रखैत छथि, यैह प्रशंसनीय गप होइछ। मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ कार्यक्रमक सफलताक शुभकामना अछि।