दरिभंगा मे काल्हि सँ तीन दिना विद्यापति स्मृति पर्व समारोह

दरिभंगा, अक्टुबर २२, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!

vidyapatiहरेक वर्ष दरिभंगा मे कैल जायवला राष्ट्रीय आयोजन समान विद्यापति स्मृति पर्व समारोह एहि वर्ष २३, २४ एवं २५ नवम्बर केँ विद्यापति सेवा संस्थान केर परिसर मे कैल जायत।

आयोजनकर्ता विद्यापति सेवा संस्थान सँ आबद्ध मणिकान्त झा फेसबुक द्वारा जानकारी दैत कहलनि अछि जे महाकवि विद्यापतिक अवसान दिवस कार्तिक धवल त्रयोदशी सँ आरंभ होबय बला तीन दिवसीय मिथिला विभूति पर्व समारोह के लय सब तैयारी पूर्ण कय लेल गेल अछि।

विद्यापति सेवा संस्थान दरभंगा द्वारा आयोजित ई कार्यक्रम एहि बेर २३- २४-२५ नवंबर क’ होयत। पहिल दिन विद्यापतिक मूर्ति लग सँ दिन मे १० बजे सँ शोभा यात्रा निकलत जे शहर स्थित महापुरूष लोकनिक प्रतिमा पर माल्यार्पण करैत संस्थान कार्यालय पर आबि संपन्न होयत। साँझ मे महाकवि विद्यापति समेत मिथिला विभूति लोकनि केँ श्रद्धांजलि आ विद्यापति संगीतक प्रस्तुति होयत।

दोसर दिन २४ नवंबर के १० बजे सँ राष्ट्रीय संगोष्ठी कैल जायत जाहि मे विषय- सामाजिक सरोकारक चिकित्सक (डा) गणपति मिश्र ऊपर विद्वत् समाज द्वारा चर्चा होयत। सायंकाल कवि सम्मेलन आ नाटक आ तेसर दिन संपूर्ण राति रंगा रंग सांस्कृतिक कार्यक्रम जाहिमे मैथिली मंचक पाँच दर्जन सँ बेसी कलाकार भाग लेताह।

आकाशवाणी दरभंगा सँ तेसर रातिक कार्यक्रमक जीवंत प्रसारण ११.१० बजे सँ संपूर्ण राति चलत। 

संगहि मणिकान्त झा उपरोक्त जानकारीक संग अपने समस्त मिथिला वासी केँ एहि मे हकारल छी कहि आमंत्रित कएने छथि।

कहल जाएछ जे दरिभंगाक समारोह विश्व मे नंबर १ पर अछि। ओना तऽ समारोह कर विभिन्न रूप आ रंग अनेको ठाम देखबाक अवसर प्राप्त होएत अछि, परञ्च मिथिलाक मूल भूमि दरिभंगाक दलान पर एकर प्रखर स्वरूप कायम राखल जाएछ ई मैथिल व मिथिलावासी समस्त जनमानस हेतु गौरवक बात थीक। मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ कार्यक्रमक सफलताक शुभकामना अछि।