मुम्बई मे मिथिलाः छैठ समारोहक अद्भुत आयोजन

रवि कुमार मंडल, मुम्बई। अक्टुबर २१, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

chhaith mumbai1ओना तऽ छैठ पावनिक असल आनन्द लोक केँ गामहि घर पर मूल मिथिला मे भेटैत अछि, मुदा रेलवे रिजर्वेशन केर झंझटि आर भाड़ाक बेतहाशा-अनियंत्रित खर्चक डर केर कारण सँ आब प्रवासहि पर मिथिलावासी द्वारा अपन मूल संस्कार केर संरक्षण देखय लेल भेटि रहल अछि।

आस्थाक महापर्व छैठ पूरा धूमधाम सँ मुम्बई महानगरी मे मनायल गेल जाहि मे समुचा वातावरण सचमुच अद्भुत छल, लागिये नहि रहल छल जे हम सब मिथिला मे छी, मुम्बई मे मिथिलाक अनुभूति मात्र छैठ समारोह सँ भेटल।

chhaith mumbai2समूचा मुम्बई मे करीब-करीब १५० जगह पर छैठ पूजाक आयोजन भेल जाहि मे हम रवि मंडल नवी मुम्बई मैथिल समाज सँ खण्डेश्वर छठ पूजा समिति केर घाट पर आयोजन केलहुँ। एतय माननीय विधायक प्रशान्त सेठ ठाकुरजी मुख्य अतिथि छलाह। समिति केर सदस्य अवधेश शुक्ला, रमण झा, भोला मंडल सहित समस्त नवी मुम्बई मैथिल समाजक उपस्थिति छल।