एम्हर सरकार शपथ लेलक, ओम्हर घटल अपशकुन – दुर्भाग्यपूर्ण घटना

कुनाल किशोर, सहरसा। अक्टुबर २१, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

katihar incidentजतय बिहार केर ऐतिहासिक गांधी मैदान मे बिहारक महागठबंधन केर नव सरकार सहित नितीश कुमार 5म बेर शपथ ग्रहण कय रहल छलाह ठीक ताहि समय कटिहार मे बबाल, मौत, तांडव चलि रहल छल। सरकार गठन केर पहिलुके दिन एहेन घटना बिहार केर लेल राजनीतिक जानकार शुभ नहि मानि रहला अछि।

कटिहार जिलाक देवीपुर केर समीप राष्ट्रीय राजमार्ग 31 पर आइ भोरे स्कूल बस आर ट्रक केर टककर में एक शिक्षिका तथा दुइ बच्चाक मृत्यु भेलाक बाद लोक सब आक्रोशित भऽ गेल। मौका पर जुटल भीड़ ट्रक केँ आगिक हवाला कय देलक। घायल सबहक इलाज केर मुकम्मल व्यवस्था नहि भेला पर लोक सब अस्पताल परिसर मे जैमकय बवाल कटलक। स्थिति पर नियंत्रण लेल पुलिस लाठीचार्ज केलक तथा फायरिंग सेहो केलक जेकर बाद स्थिति आरो बेकाबू भऽ गेल। भीड़
जगह-जगह आगजनी करय लागल। दर्जनों गाड़ी केँ आगिक हवाले कैल जाय
लागल।

देवीपुर केर समीप हाईवे पर स्कूली बस बच्चा सबकेँ लऽ कय जा रहल छल। एहि बीच तेज रफ्तार सँ चलि रहल ट्रक ओकरा टक्कर मारि देलक। घटना मे बस मे सवार एक शिक्षिका और दुइ बच्चाक मौके पर मृत्यु भऽ गेल, जखन कि 25 सँ
बेसी बच्चा गंभीर रूप सँ घायल भऽ गेल। आरोप अछि जे लोक घायल बच्चा केँ लऽ कय पीएचसी मे पहुंचल, लेकिन ओतय चिकित्सक नदारद छल। एकर बाद पीएचसी प्रभारी केर गाड़ी और एंबुलेंस मे आगि लगा देल गेल। पुलिस द्वारा रोकबाक कोशिश कैल गेल तऽ पत्थरबाजी शुरू भऽ गेल। देखिते-देखिते समूचा इलाका जनाक्रोश केर चपेट मे आबि गेल। जगह-जगह आगजनी आर तोड़फोड़ होमय लागल। मौका पर पहुंचल पुलिसकर्मी भागिकय अपन जान बचौलक। भीड़ द्वारा अस्पताल आर अन्य ठामक कतेको रास वाहन केँ सेहो आगि लगा देल गेल छल। 

काफी समय बाद बड़ पैघ संख्या मे पहुंचल पुलिस लाठीचार्ज केलक तऽ बवाल
आरो बढ़ि गेल। माहौल सामान्य बनेबाक लेल पुलिस द्वारा कतेको राउंड फायरिंग सेहो कैल गेल। हाल लेल हालात काबू मे अछि। डीएम और एसएसपी मौका पर पहुंचि गेल छथि। पांच गो पुलिसकर्मी पत्थरबाजी मे घायल भेल अछि। किछु बच्चा लापता अछि, लोक सब ओहि बच्चा सबहक मृत्यु भेलाक बाद पुलिस द्वारा लहास नुकेबाक आरोप लगौलक अछि।

जे हो, नव सरकार गठन केर संगहि एहेन दुर्भाग्यपूर्ण घटना अशुभ-अपसकुन केर संकेत कय रहल अछि।