मैथिली सांस्कृतिक संध्याक बढैत माँग

 

इनरुवा, सुनसरी, नेपाल। नवंबर १५, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

maithili inaruwaविद्यार्थी नेता धीरज वर्माक नेतृत्व मे काल्हि सुनसरी जिलाक सदर-मुकाम यानि मुख्यालय इनरुवा मे आयोजित कैल गेल ‘मैथिली सांस्कृतिक संध्या’, जेकर मुख्य अतिथि मधेसी जनाधिकार फोरम लोकतांत्रिक केर छात्र नेता कपलेश्वर यादव मुख्य अतिथि छलाह आर सुनसरी जिलाक एसपी संजीव राज शर्मा उद्घाटनकर्ता।

maithili inaruwa1इनरुवाक महेन्द्र चौक पर आयोजित एहि कार्यक्रम मे अंजू यादव व विरेन्द्र झा सहित नृत्य टोलीक योगदान सँ भव्य सांस्कृतिक संध्या कार्यक्रम संपन्न भेल। एकर प्रायोजन व आयोजन विभिन्न संघ-संगठन मिलिकय केलक।

प्रमुख अतिथि कपलेश्वर यादव द्वारा अपन भाषा व संस्कृति केर संरक्षणार्थ एहि तरहक आयोजन केर महत्व पर प्रकाश देल गेल। ओत्तहि उद्घाटनकर्ता एसपी संजीव राज शर्मा द्वारा संस्कृति व भाषा केर महत्व पर प्रकाश दैत एहि तरहक आयोजन सँ स्वाभिमान व पहिचान केर रक्षाक बात कहल गेल छल।

कार्यक्रमक संचालन मोहनजी यादव द्वारा भेल छल। ओत्तहि स्थानीय नेतृत्वकर्ता व समाजसेवी पारस यादव केर संग पूर्व सांसद उडांवजी आर मैथिली भाषा व मिथिला संस्कृति अभियानी प्रवीण नारायण चौधरी लगायत अनेको गणमान्य लोकनि अपन शुभकामना संदेश मे मातृभाषा व मातृसंस्कृतिक महत्व पर गाम-गाम मे आयोजन पर बल देल गेल छल।

एहि कार्यक्रमक संयोजक धीरज वर्मा द्वारा समस्त अतिथि व उपस्थित अपार जनसमूह केर स्वागत कैल गेल छल। शुरुआत मे मिथिलाक सुप्रसिद्ध गायक विरेन्द्र झा द्वारा भैरवि गीत केर गायन व अन्त ‘हामी सबै नेपाली एक हौं’ केर गीत प्रस्तुति कैल गेल छल। बीच मे अनेकानेक मैथिली लोकगीत व लोकनृत्य परोसल गेल छल। मिथिलाक उभरैत कलाकार व गायिका अंजू यादव केर डोमकच्छ, झिझिया सहित अनेकों लोकगीत केर आनन्द आर विरेन्द्र झा केर अपन रचनाक संग मिथिला लोकगीतक विभिन्न व्यंजन परोसल गेल छल। उपस्थित जनसमूह अपन मातृभाषा मे एतेक रमणगर कार्यक्रम संभव अछि से बात जेना पहिले बेर देखिकय मंत्रमुग्ध छलाह। सबहक मुह पर एक्कहि टा बात छल “मैथिली जिन्दाबाद”।

आगामी समय मे एहने कार्यक्रम बेर-बेर राखल जाय आर अपन भाषा व संस्कृति प्रति सब कियो जाग्रत अवस्था मे रही – यैह संदेशक संग ई कार्यक्रम संपन्न कैल गेल छल।