मिथिला मे बस मैथिली जी – हिन्दी-ईंग्लिश नेवर पीः लोकप्रिय विडियो

जी मैथिल जी – मिथिला मे बस मैथिली जी!!

video picमैथिली भाषाभाषी मे अपन भाषाक प्रति उदासीन बनैत देखि लिखल गेल निम्न रचना जे मैथिली रैप तर्ज पर भावना तथा देवांशी द्वारा गायल गेल अछि, जेकर रेकर्डिंग बिना कोनो संगीत या सिस्टम केवल मोबाइल द्वारा सूट करैत फेसबुक केर देल गेल लिंक पर राखल गेल छल ओ सर्वाधिक शेयर व लाइक्स पेबाक रेकर्ड बनेलक अछि।

वास्तविकता यैह छैक जे राज्य द्वारा विभेद केला सँ अपनहि गृहराज्य बिहार या फेर नेपालदेश मे पर्यन्त मैथिलीक अवस्था दिनानुदिन घटल जा रहलैक अछि। लोक मे अपन भाषा सँ इतर अन्य भाषा मे पढब-लिखब आर सरकारी कामकाज करबाक बाध्यताक कारण ई विलोपान्मुख बनि गेल अछि।

स्वयं मैथिलीभाषी द्वारा हिन्दी तथा अंग्रेजी भाषाक अधिकांशतः अनुकरणक कारण ई भाषाक मूल्य-मान्यता आ पहिचान समाप्त होयबाक कगार पर आबि गेल अछि। एहने सन अवस्था मे हमर ई रचना पूर्वहु मे प्रकाशित कैल गेल छल। एकरा परिमार्जित-संपादित करैत नव रूप मे गायन सहित काल्हि पोस्ट कैल गेल छल। एखन धरि जाबत ई पोस्ट लिखि रहल छी, एकर व्युज करीब ७००० भऽ चुकल अछि। संगहि शेयरक संख्या करीब २६० क्रास कय गेल अछि। केवल हमरे वाल पर हमर मित्रक सूची सँ तकरीबन २०० आदमी द्वारा लाइक सेहो कैल गेल अछि।

एहि गीतक बोल निम्न अछि जे स्वयं अपन सन्देश पाठक तक पहुँचायत। तहिना एकर गायन सुनबाक लेल विडियोक लिंक सेहो निम्न स्थान मे राखि रहल छी।

  • मैथिली जिन्दाबाद विशेष

रहय छय रहय छय कि हिन्दी बजय छय
पी जँ लय छय तऽ ईंग्लिश बजय छय
Don’t पी – Don’t पी, हिन्दी ईंग्लिश never पी
जी मैथिल जी, मिथिला मे बस मैथिली जी!!

Hey All! Just Listen!
Our Mithila – Our Maithili!
Our Own Culture!
Our Own Language!
Please Save! Please Save!!
Don’t Be Wicked!!
Maithili Jindabaad!! Mithila Jindabaad!!

भीतर कोकनल बाहर फों-फों करय छय
माथ मिरगी कोना नाच नचय छय
बिसैर क निकहा बानी गली घूसय छय
बाजय एना जेना देखू कुकुर भूकय छय

जी मैथिल जी, मिथिला मे बस मैथिली जी
डोन्ट पी – डोन्ट पी, हिन्दी ईंग्लिश नेवर पी

A Crow Is A Crow!
Not A Cuckoo!
Whatever We Do!
Maithili Me Do!
Please save! Please Save!
Don’t Be Wicked!!
Maithili Jindabaad!! Mithila Jindabaad!!

बुझय गुन बौर रसियारी जाइ छय
लोक धकियाबय अनारी बनइ छय
अपनहि बुद्धिके दाबी रटइ छय
टोकि कियो देलकै कि छाती पीटै छय

जी मैथिल जी, मिथिला मे बस मैथिली जी,
डोन्ट पी – डोन्ट पी, हिन्दी ईंग्लिश नेवर पी…

Our Mithila Mahan!
Our Maithili Mahan!
Nahi Gao Khali Aha
Dosar Ke Gaan!!
Please Save! Please Save!
Don’t Be Wicked!!
Maithili Jindabaad!! Mithila Jindabaad!!

ऋषि-मुनि-ज्ञानीके संतान अहाँ
बुद्धि-विद्याके खान अहाँ
कियै लड़ी फूसियेके शान अहाँ
धरती अहाँ सम आन कहाँ

जी मैथिल जी, मिथिला मे बस मैथिली जी,
डोन्ट पी – डोन्ट पी, हिन्दी ईंग्लिश नेवर पी…

You Made This World,
With Your Wisdom!
Just Be Videha,
Bring Siya & Ram!!
Please Save! Please Save!
Don’t Be Wicked!!
Maithili Jindabaad!! Mithila Jindabaad!!

Harih Harah!!

https://www.facebook.com/video.php?v=10154399359158492