दिल्ली, अक्टुबर ३१, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
अखिल भारतीय मिथिला पार्टीक दिल्ली प्रदेश अध्यक्ष अपन बिहारक चुनावी दौरा केँ बीच्चहि मे छोड़ि पुन: दिल्ली वापसी करैत मैथिली जिन्दाबाद केँ जानकारी करौलनि जे दिल्ली मे अपन मिथिलाक दामिनी संग कैल गेल अछि दरिंदगीक खतरनाक खेल, एकटा नावालिग १३ वर्षक गरीब टैम्पू चालकक बचियाक संग कैल गेल अछि यौन शोषण आ दिल्ली पूलिस द्वारा पीड़िताक आवाज तक नहि सुनल जा रहल अछि, नहिये एफआइआर दर्ज कैल गेल अछि, वर्तमान दिल्ली सरकार केर उच्च रसूख राखनिहारक दबाव मे कैल जा रहल अछि घोर अत्याचार…. मिथिलाक लोक लेल दिल्ली मे राजनीति करैत हमर ई कर्तब्य बनैत अछि जे एहि लेल उचित सहायता आ मानवीय संवेदना सँ पीड़ित परिवार केँ रक्षा करी।
बात दिल्लीक बुरारी विधानसभा क्षेत्र अन्तर्गत मंडावली थानाक्षेत्रक थीक। ओतय मिथिला सँ प्रवास पर रहि रहल एक गोट टैम्पू चालक संग ओहि परिवार संग नजदीकी रखनिहार एकटा दोसर टैम्पू चालक २५ वर्षीय अपराधी प्रवृत्तिक उत्तर प्रदेशक वासिन्दा द्वारा चालकक १३ वर्षीया मैथिली पुत्रीकेँ बहला-फुसलाकय गंदा एमएमएस बनाय करीब डेढ वर्ष सँ निरन्तर ओकर यौन शोषण करबाक मामिला सोझाँ आयल अछि। अन्त मे जखन ओहि नावालिग लड़की केँ सहन क्षमता सँ बाहर भेल तखन ओ अपन माता-पिता सँ ओहि अपराधीक करतूत पर बात करबाक बाध्यता भेल। ओ पीड़ित परिवार शिकायत लऽ के मंडावली थाना मे गेल। मुदा थाना अपराधी सँ किछु पैसा घूस लैत एफआइआर दर्ज करय सँ मना कय देलक। उनटा ओहि पीड़ित परिवार केँ डरेलक-धमकेलक। पीड़िताक पिता जानकारी देलनि जे अपराधी एहि ठामक स्थानीय नेताक संरक्षण पाबिकय एकटा गरीब परिवार पर कैल गेल अत्याचार केँ झाँपय लेल कोनो हद तक जेबाक लेल तैयार अछि। झरौदा थाना मे सेहो पाइ खुआकय अपराध केलाक बादो खुलेआम घूमि रहल अछि। अन्त मे कोर्ट द्वारा आदेश लैत एफआइआर आ मेडिकल करबैत न्याय लेल संघर्षरत अछि पीड़ित परिवार।
आइ-काल्हि एहि प्रकृतिक ब्लैकमेल करैत यौन शोषणक घटना दिन-प्रतिदिन बढैत जा रहल अछि। लेकिन अपराधी केँ राजनीतिक शरण दैत कोनो पीड़ित परिवार पर जुर्म केनाय हमरा सब मैथिल पर अत्याचार होयत – ई भावना अभामिपा केर दिल्ली प्रदेश अध्यक्ष रमानाथ झा रखलैन। एहि मामिला पर स्थानीय विधायक द्वारा सेहो कोनो प्रकारक कार्रबाई नहि करब हमरा सबकेँ हुनकर (संजीब झा) मैथिल होयबा पर संदेह उत्पन्न कय रहल अछि। कम सँ कम जनप्रतिनिधिक नाते हुनका एकटा गरीबक आवाज सुनबाक चाही। उनटा सुनबा मे आयल अछि जे हुनकहि नाम लैत थाना केँ पाइ खुआ अपराधी पीड़ित परिवार केँ न्याय पेबा सँ वंचित कय रहल अछि।
अपराधी कतेक शातिर अछि तेकर अंदाज अही सँ लगायल जा सकैत छैक जे एक्कहि विधा मे सहकर्मी आ पड़ोसी रहितो ओ अपना सँ आधा उमेर केर बालिका केँ डरा-धमकाकय दुष्कर्म केलक आ तेकर एमएमएस बनाकय लगातार डेढ साल सँ यौन शोषण करैत आबि रहल अछि। एकटा मैथिल केर बेटी पर भेल अत्याचार हमरा सबहक बेटी पर अत्याचार समान अछि। एहि मामिला पर आइ दिल्लीक मुख्यमंत्री अरविन्द केजरीवाल सँ भेंट करैत आगाँक डेग निर्धारित करब – जानकारी करौलनि रमानाथ झा।
सामाजिक संजाल फेसबुक पर धीरे-धीरे सब जागरुक मैथिल द्वारा एहि घटनाक घोर भर्त्सना कैल जा रहल अछि। दिल्ली मे रहनिहार लाखों मैथिल एहि जघन्य अपराधक सजाय दियेबाक लेल हर स्तर पर संघर्ष करय लेल तैयार देखा रहल अछि।

8 Comments
GLAT BAT YE HUM SATH HI GHITORNI CHATAR PUR SE 2OOO ADMI KO LE KER AA SAKTE HU
Is apradhi ka aakh phodke hath pao katke tadpa tadpa me khatam kar dena chaiye taking bhavisya me koi maithil ya koi prajati ki kanya ko is pratarna ka shikar na hona pace. Rajeev Pratihast
Nangloi
8800795235
आइ हमसब दिल्लीक मुख्यमंत्री अरविन्द केजरीवाल स’ भेंट करय गेल छलहुं आ झरौदास’ बच्चीक माता-पिता सेहो आयल छलथि। काल्हि झरौदामे जखन संध्या समय हमसब स्थानीय बैसार कयने रही त’ जतेक व्यक्ति हमसब मंडावली स’ झरौदा गेल रही ओतबे लोक झरौदामे जुटला आ बैसार मे जखन अझुका कार्यक्रम बनल छल तखने सबकें कहि देल गेल रहनि जे सब गोटे अपना संग किछु लोकके ल’ क’ आबथि मुदा आइ केजरीवाल ओतय झरौदा-बुरारी स’ कोनो व्यक्ति नहि आयल जखन की झरौदामे मैथिल कें प्रायः पांच हजार स’ बेसी मैथिल परिवार रहैत अछि जकरा बदौलति संजीव झा विधायक बनला मुदा ओ पीडित परिवार के आबि क’ ई सलाह दै छथिन जे अहां ज’ कानूनी प्रक्रियामे जायब त’ बदनामी हेत। तञ ऐ मामिला के बेसी तूल नहि दियौक।
संगे कल्हुका झरौदाक बैसार मे जतेक लोक छलथि से आम आदमी पार्टी आ संजीव झा विधायक लग अप्पन नं० बनबय के प्रयास मे लागल बुझेला। जुटल लोक मे हमरा किनको मनसा मामिला सुलझाबय मे उत्सुकता नहि बुझायल। सब मात्र ऐ मामिला के एकटा अप्पन काज साधबाक सीढी बनाबैत लागल ताकी सब अपना आपके संजीव झा विधायकक नजदीक ल’ जा सका।
आइ अरविन्द केजरीवाल के देल गेल चिट्ठी.
श्रीमान् मुख्यमंत्री महोदय!
आपके शासनकाल में एक बच्ची के साथ पिछ्ले डेढ़ साल से बुरारी क्षेत्रमें यौन शोषण होता रहा और स्थानीय विधायक श्री संजीव झा ने इस संबंधमे कोई भी कदम नहीं उठाया। यह भी जानकारी है कि आरोपी आम आदमी पार्टी का समर्थक है और आपके पार्टी पदाधिकारियों से अच्छी पहचान रखता है । मुख्यमंत्री महोदय हम जिस बच्ची “गुड्डी” की बात कर रहें हैं उसके पिता एक आटॊ चालक हैं और आपको याद हो या ना हो मगर आज आपके पार्टी के दिल्ली में सत्तामें लाने के लिए आटोचालकों की एक अहम भूमिका है। क्या एक गरीब आटो चालक के बच्ची की इज्जत इसी प्रकार आम आदमी पार्टी की सरकार में लुटती रहेगी और आप की सरकार इसी प्रकार चुप रहेगी? मुख्यमंत्री महोदय इसी प्रकार के एक घटना की सिढ़ियां चढ़कर आपकी सरकार सिघांसनसीन हुई है।
आशंका यह जतायी जा रही है कि इस पूरे वाकए में किसी बडे ब्यक्ति का हाथ है तो कौन है वह व्यक्ति ? क्योकि आरोपी आम आदमी पार्टी का समर्थक और क्षेत्र में पार्टी में अच्छी पहचान रखने वाला बताया जा रहा है।
मुख्यमंत्री महोदय आपके बुरारी विधायक संजीव झा, दिल्ली के गृहमंत्री श्री मनीष शिशौदिया और स्वयं आप मुख्यमंत्री अरविन्द केजरीवाल इस घटना के लिए क्या जिम्मेदारी लेते हैं ? इस आम आदमी पार्टी ने जिस निर्भया काण्ड को आधार बनाकर अपनी राजनीति शुरू की आज वही पार्टी सत्ता मे आने के बाद क्यों नही सुन रही लोगों की बातें ? हमें दिल्ली की जनता को इस बात का जवाब चाहिए !
– हम पीड़ित परिवार की सुरक्षा की मांग करते हैं क्योकि आरोपी और उसके परिवार के द्वारा पीडित परिवार को सतत डराया-धमकाया जा रहा है कि चुप बैठो नहीं तो गंभीर परिणाम भुगतना पडेगा।
– बच्ची की गुमशुदगी की रिपोर्ट जब थाने में दर्ज करवायी गयी और बच्ची आरोपी के घर से बरामद हो गयी तो किस आधार पर पुलीस ने आरोपी को खुला छॊडा ?
– पीडित परिवार को कानूनी न्याय के साथ-साथ मुआबजे के विषय में दिल्ली सरकार क्या सोचती है ?
Sab beta log apna maa bahan ke saat esa hi kare tab pata chale kanha Gaye rituraj ji kanha mar Gaye sanjeev Jha
HUM SB AAHA K 7 CHE HUMRA YUVA LOG S JE SAPORT VETATH MH SB SB SAPORT KRUB
always to do any think to save our birthplace women/Man please sab ek hu or ek March ki tayari karn taki Delhi sarkar or Police ko pata chali ki purbanchal Na Mard Nahi hai wo apna hauk lina janti hai or koi uski izzat pi hat dali to wo kya si kya kar sakti hai….app sab si mera ye nivedan hai ki jaida si jaida log agi aayi…… Anil jha
Kaushal ji,
Hum ahaan sab ke saath chi.
Goodi ke jiban ke baat chai, gunahgar ke chaurab nahi.
Kripya laagal rahu.
Dhanyabad
Kartikesh Pathak