मिथिलाक ग्रामीण धरती पर राष्ट्र-स्तरीय कार्यक्रम ‘चैनपुर आइडोल’: अडिसन आइये होयत

चैनपुर, सहरसा। अक्टुबर ११, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

chainpur event1सृजनशील बनबाक अभ्यास – मिथिलाक विशिष्ट परिचय मे एक प्रमाणित बात होइत अछि। हर गाम मे एकटा विशिष्ट संस्कार एहि सृजनशीलता केँ बढावा देबाक लेल होइत छैक। सहरसा जिलाक ‘चैनपुर’ गाम मे कहियो मैराथन दौड़ तऽ कहियो गीत-संगीत प्रति समर्पित प्रतियोगिता आदिक आयोजन हरेक वर्ष कैल जाइत रहल अछि। एहि गामक युवा सँ लैत बच्चा-बच्चा मे किछु नव कार्य करबाक मानू जे होड़ लागल रहैत अछि। एना होयब सेहो स्वाभाविक छैक कारण एहि गामक साक्षरता तऽ शत-प्रतिशत छहिये, ऊपर सँ हरेक सक्षम अभिभावक व बड़-बुजुर्ग लोक द्वारा एहेन सार्थक आयोजन सबहक वास्ते जी खोलिकय समर्थन देल जाइत छैक, आर्थिक सहयोग स्वेच्छा सँ उपलब्ध कराओल जाइत छैक, दूर-दूर सँ आयोजन मे सहभागिता देबाक लेल उच्च सँ निचाँ स्तरक सब ग्रामीण जनता एकजुट बनिकय कार्यक्रम मे भाग सेहो लैत छैक। अही गाम मे एहि बेर एकटा खास आयोजन कैल जा रहल अछि – चैनपुर आइडोल केर नाम सँ।

टेलिविजन पर विभिन्न मनोरंजनात्मक चैनल आ ताहि मार्फत इंडिया आइडोल सँ शुरु भेल परंपरा – ताहि तरहक अनेकानेक कार्यक्रम राष्ट्रीय स्तर पर होयब वर्तमान युगक एकटा खासियत मे अबैत अछि। चैनपुर समान सुन्दर गाम मे युवा पीढी सब एहि वर्षक खास आयोजन मे गामहि सँ आइडोल चुनबाक लेल एहि खास कार्यक्रम ‘चैनपुर आइडोल’ केर आयोजन केलनि अछि। १५ सँ २५ वर्षक युवा-युवती एहि कार्यक्रम मे भाग लऽ सकैत छथि। अपन कला प्रदर्शन करबाक लेल आ गाम मे एकटा सुन्दर परंपरा केँ शुरुआत करबाक लेल एहि तरहक ऐतिहासिक कार्यक्रम केर आयोजना कैल जा रहल अछि। ई जानकारी आयोजन समिति सँ आबद्ध विद्या सागर बतौलनि अछि। तहिना एहि प्रतियोगिता मे भाग लेबाक लेल मोबाइल नंबर ७५४९२५४८०१ पर फोन कय रजिस्ट्रेशन करायल जा सकैत अछि, अनलाइन रजिस्ट्रेशन लेल www.ujjawalchainpur.com पर सेहो कैल जा सकैत अछि, आयोजन समिति जानकारी करेने छथि। प्रतियोगिता मे खूल्ला सहभागिताक इन्तजाम सेहो अछि। उम्रक सीमा टा ख्याल करय पड़त, बाकी अहाँ कतहु सँ छी, एहि मे भाग लय सकैत छी।

chainpur event2एहि कार्यक्रम केर संयोजन गामहि केर जागरुक एवं सशक्त सृजनशील युवा लोकनि केलनि अछि। जानकारी इहो भेटल अछि जे भारतक सुप्रसिद्ध संगीतज्ञ ए. आर. रहमान सँ संबद्ध रहमान म्युजिक अकादमी केर तकनीकी सहयोग एवं ग्रामीण प्रतिभा केँ राष्ट्रीय प्रतिभा बनेबाक अभियान केँ एहि चैनपुर आइडोल सँ शुरुआत भेटल अछि मिथिला मे। सहभागी प्रतियोगी सबहक कला मे आरो निखार आनबाक लेल रहमान म्युजिक अकादमी द्वारा विशेष प्रशिक्षण उपलब्ध करेबाक वचनबद्धता प्रकट कैल गेल अछि।

chainpur eventआइये चैनपुर गाम मे एकर अडिशन शो राखल गेल अछि। समस्त पंजीकृत प्रतियोगी मे सँ २० जन केँ चुनल जायत, अकादमी द्वारा विशेष प्रशिक्षण देलाक बाद दीपावलीक दिन फाइनल शो केर आयोजन कैल जायत। – ई जानकारी कार्यक्रम संयोजनकर्ता उज्ज्वल ठाकुर मालिक बतौलनि। “सुर केर संग्राम चैनपुर आइडल २०१५ केर आॅडिशन ११ अक्टूबर रवि दिन होयत…. जे कियो संगीतक दुनिया मे किछु हासिल करबाक सपना देखने छथि, हुनका सबहक लेल सपना केँ साकार करबाक मौका अछि। मंजिल हुनकर सोझें मे अछि …. मिथिलाक कोसी क्षेत्र केर सब शुभेच्छू जन सँ सादर निवेदन जे एहि कार्यक्रम केँ सफल बनेबा मे जमीनी स्तर पर पूर्ण सहयोग दी…. कोनो भी सोच समाज केर सम्पूर्ण सहभागिता बिना जमीनी स्तर पर सफल नहीं भऽ सकैत छैक।” उज्ज्वलजी अपील केलनि अछि।

सह-संयोजक दीपक जी अत्यन्त उत्साहित होइत कहला – हम युवाजन सब लेल ई कार्यक्रम केँ सफल बनायब एकटा चुनौती समान अछि। लेकिन जतय जोश आ होश केर संग होयत, ओतहि सफलता भेटत। हम सब एहि बेर पूर्ण समर्पण संग लागल छी, एकटा इतिहास जरुर रचल जायत। युवा ब्रिगेड केँ धन्यवाद जे हमरा सेहो आयोजन समिति मे सहयोग करबाक भार सौंपलनि। हम सब मिलिकय एकरा सफल बनायब।

निश्चित रूप सँ चैनपुर गामक अपन सौभाग्य छैक जे एहि तरहक जोशीला युवा आ राष्ट्र-स्तरक कार्यक्रम गामहि मे करबाक उत्साह सँ संपन्न अछि। मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ हिनका सबकेँ बहुत-बहुत शुभकामना!!