झंझारपुर निर्दलीय विधायक उम्मीदवार पर खूनी हमला: चुनाव नहि लड़बाक धमकी

झंझारपुर सँ निर्दलीय उम्मीदवार डा. सुनील कुमार झा पर जानलेवा हमला

समाचार स्रोत: न्युज १८, ईटीवी। अक्टुबर १०, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

raiyam hamalaभैरवस्थान थानान्तर्गत गाम रैमा निवासी डा. सुनील कुमार झा जे झंझारपुर विधानसभा क्षेत्र सँ निर्दलीय उम्मीदवार छथि, हुनका पर जानलेवा हमला बीतल राति कैल गेल अछि। हमलावर बन्दूक आ बम सँ लैस घर मे घूसिकय डा. झा पर हमला केलक, संगहि चुनावी मैदान सँ बाहर हेबाक लेल धमकीपूर्ण चेतावनी सेहो देलक। समाचार मे कहल गेल अछि जे पास-पड़ोसक परिवार द्वारा प्रतिकार करबाक स्थिति सँ निबटबाक लेल हमलावर द्वारा एकटा पड़ोसी महिला पर सेहो बम फेकल गेल जाहि कारण ओ गंभीर रूप सँ घायल भऽ गेल छथि। तहिना परिवारक सब सदस्य संग मारपीट आ गोली प्रहार सँ घायल कैल जेबाक कारण हुनका सबहक उपचार नजदीकक अस्पताल मे चैल रहल छन्हि। स्थितिक निरीक्षण करबाक लेल पूलिसक उच्चाधिकारी सब सेहो घटनास्थल पर रातिये पहुँचि गेल छलाह, मुदा हमलावरक कोनो सुराग एखन धरि नहि लगलनि अछि।

विदित हो जे डा. सुनील कुमार झा महाराष्ट्र मे कोनो शैक्षणिक संस्थान केर संचालन करैत छथि आ पैछला एक वर्ष सँ अपन क्षेत्र केर उत्थान हेतु राजनैतिक संघर्ष करबाक पहल सेहो कय रहला अछि। एहि बेरुक चुनाव मे भारतीय जनता पार्टी सँ टिकट भेटबाक आशा रखने डा. झा अन्ततोगत्वा झंझारपुर सँ नितीश मिश्रा केँ टिकट भाजपा द्वारा देलाक बाद बागी बनि स्वतंत्र रूप सँ चुनाव लड़ि रहला अछि। हाल एहि घटनाक बादो ओ चुनावी मैदान मे डटल रहबाक संकेत सेहो देलनि अछि।