किसलय कृष्ण, सहरसा। अक्टुबर ५, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
– समाचार संपादक केर कलम सँ – मनोरंजन क्षेत्र पर विशेष
मूलतः मधुबनी जिलाक पचदही गाम निवासी कुणाल ठाकुर सम्प्रति वॅालीवुडक चर्चित निर्माण नियंत्रक बनि गेल छथि । कहियो भारतीय जन नाट्य संघ (इप्टा)क मधुबनी ईकाइ सँ अपन कला जीवनक आरम्भ केनिहार कुणालकेँ भारत सरकार संस्कृति मंत्रालय द्वारा छात्रवृति भेटि चुकल छनि अभिनय सीखबाक लेल । शुरुए सँ फिल्म प्रति हिनक आकर्षण रहलनि, फलस्वरूप मैथिली फिल्म “एक चुटकी सिन्दूर”क सहनिर्माता आ अभिनेता रूपे प्रकट भेलाह आ तकर उड़ान भरबाक लेल विदा भ गेलाह संसारक सभ सँ पैघ फिल्म उद्योग केर नगरी मुम्बई ।
मुम्बई मे निरन्तर संघर्षक उपरान्त प्रसिद्ध पार्श्व गायक उदित नारायणक प्रोडक्शन हाउस यू डी मुविजमे प्रोडक्शन कन्ट्रोलर केर रूपमे काज करब आरम्भ केलनि । युडी मुविजक चर्चित फिल्म “कानून हमरा मुट्ठी मे” ई प्रोडक्शन संगे अभिनय सेहो केलनि । तकर बाद तऽ हुनका बुझू जेना सफलताक पाँखि लागि गेलनि । चर्चित निर्माता निर्देशक हैरी बावेजाक लव स्टोरी, केतन मेहताक माँझी: द माउन्टेनमेन, लारा दत्ता प्रोडक्शनक चलो दिल्ली सहित दे ताली, रंगरसिया आदिक संग अनेको एड फिल्मक प्रोडक्शन कन्ट्रोलरक सफलतम भुमिका निर्वहन करबाक संग ओ विभिन्न सृजनशील आ रचनात्मक कार्य मे निरन्तर अग्रसर छथि ।
सभ सँ पैघ बात ई जे व्यस्तता रहितो कुणाल निरन्तर मैथिली गतिविधि मे एक सक्रिय अभियानी बनल छथि । संस्कार मिथिला मुम्बइ केर सक्रिय संयोजकीय भुमिकाकेर संग एखन अन्तराष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन केर तइयारीमे सेहो लागल छथि । मैथिली जिन्दाबाद हिनकर आरो उज्ज्वल भविष्यक कामना करैत अछि आ नवतुरिया-युवा मैथिल मे हिनकर योग्यता आ दक्षता सँ सीख भेटबाक सदिच्छा सेहो प्रकट करैत अछि।