राम नरेश शर्मा, मुम्बई, सितम्बर २७, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
विगत 17 सितम्बर 2015 गुरुवार केर दिन मुंबई केर उपनगर नालासोपारा पूर्व मे सुच्चा मैथिल समाज द्वारा काफी हर्षोल्लासक संग भगवान् विश्वकर्मा केर पूजनोत्सव आयोजित कैल गेल।
एहि पूजा मे दूर-दूर सँ मैथिल जनमानस बढ़ि-चढ़िकय भाग लेलनि। एहि आयोजन मे वसई विरार महानगर पालिका केर उप महापौर श्री उमेश नाईक, नगरसेविका श्रीमती पुतुल झा एवं हुनक पति आ सुप्रसिद्ध मैथिल समाजसेवी श्री रविन्द्र झा, तहिना समाजसेवक और बिहार केर आगामी विधान सभा चुनाव मे बेनीपुर सँ बहुजन विकास आघाडी केर प्रत्याशी श्री कमल झा, समाजसेवी श्री धनंजय झा, पत्रकार और गीतकार श्री अमिताभ रंजन, दहेज मुक्त मिथिला केर संरक्षक पं धर्मानन्द झा एवं राष्ट्रीय अध्यक्ष श्री पंकज झा, संस्कार मिथिला फाउंडेशन केर सब पदाधिकारी, नवि मुम्बई मैथिल समाज केर अध्यक्ष श्री रवि मंडल, मैथिली दर्पण पत्रिका केर दीपक झा केर संग मैथिली फिल्म केर नायक श्री राहुल सिन्हा एवं विलेन राजीव सिंह उर्फ गजराज, गायक अजीत निराला, गायक सतीश शर्मा आदि प्रमुख रूप सँ उपस्थित भेल छलाह।
एहि समारोह मे पूर्व योजना अनुसार मिथिलाक सांस्कृतिक झाँकी, गीत-संगीत संध्याक संग भोजपुरी गीत-संगीत केर सेहो आयोजन कैल गेल छल। बॉलीवुड गीतकार अमिताभ रंजन जी द्वारा मंच संचालन (उद्घोषक) केर रूप मे दर्शक सबहक भरपूर मनोरंजन कैल गेल।
सुच्चा मैथिल समाज द्वारा एहि पूजनोत्सव मे मैथिली भाषा एवं कला केँ प्राथमिकता देल गेल छल। कार्यक्रम मे मिथिला केर लोकनृत्य जट-जट्टीन, झिझिया, झरनी आदि केर प्रदर्शन विशिष्ट रूप सँ कैल गेल छल। सुच्चा मैथिल – निम्न वर्गक आवाजा द्वारा एहि आयोजन मे सब आयोजक कार्यकर्ता केँ अपन मैथिल विशिष्ट पहिचान केँ झलकेबाक लेल मिथिलाक खास सांस्कृतिक परिधान गमछा और कुर्ता धारण कैल गेल छल। समाज सँ जुड़ल कार्यकर्ता लोकनि सब उपस्थित दर्शक-सहभागी सब सँ अपील केलनि जे हम जतय कतहु रही, अपन संस्कारक संग अपन भाषिक पहिचान केँ जिवंत राखी। एकरा आगाँ बढ़ेबाक लेल हर संभव प्रयास करैत रही।
कार्यक्रम मे मिथिला पेंटिंग सँ बनल भगवान विश्वकर्मा जी केर फोटो उपहार व सम्मान केर प्रतीक चिह्न केर रूप मे आगन्तुक विशेष अतिथि सबकेँ भेंट कैल गेल छलन्हि। एहि विशिष्ट चित्रकलाक प्रस्तुति मिथिलाक महिला लोकनि द्वारा अपनहि हाथ सँ बनाओल गेल छल।
आयोजक मंडल मे शामिल रामनरेश शर्मा, अमिताभ रंजन, मिथलेश शर्मा, प्रकाश कमती, मदन शर्मा, अरूण ठाकुर, भगवान साहू, लालबाबू शर्मा, उमेश कमती, दिगंबर शर्मा, लालबाबू यादव आदि समस्त कार्यकर्ता लोकनि दहेज प्रथा एवं अशिक्षा केँ खत्म करबाक संकल्प लेलनि आ आम समूह मे सेहो एहि लेल अपील केलनि। निकट भविष्य मे एहि संकल्प केँ मिथिलाक जमीन पर प्रसार करबाक लेल सेहो सब कियो संकल्प लेलनि।