भारतीय सेनाक बहादुरी सँ रक्षित भारत: प्रम द्वारा १९६५ केर युद्ध मे विजयी सेनाक स्मृति
396 भ्यूज
396 भ्यूज
भारतीय प्रधानमंत्री द्वारा पाकिस्तान संग भेल १९६५ केर युद्ध मे प्राप्त विजय केर ५० वर्ष पूरा भेलाक अवसर केँ विशेष रूप सँ चिह्नित करैत वीर सेनानी लोकनिकेँ स्मरण मे आनल गेल अछि। अमर जवान केर अखण्ड ज्योति स्मारक पर पहुँचि प्रधानमंत्री अपन श्रद्धा-सुमन अर्पित करैत सेनाक अविस्मरणीय योगदान केँ सम्मान प्रदान केलनि।