रियाध, सउदी अरब। सितम्बर १५, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिला एकता समाज सउदी अपन निरंतर चिन्तन एवं कार्यक्रम सँ मिथिला समाज सहित समस्त नेपाली मानव समुदाय केर हित लेल किछु न किछु नव कीर्तिमान् बनबैत रहल अछि। मिथिला एकता समाज केर अध्यक्ष सुनील गुप्ता जानकारी करौलनि अछि जे मानवीय सेवा आ परोपकारक भावना सँ हम सब जतेक कय सकैत छी से करय लेल तत्पर रहैत छी।
ओ जानकारी करौलनि जे मैन-पावर एजेन्सी केर मार्फत सँ बहुत ठगीक मामिला सोझाँ अबैत अछि, मुदा स्वयं कामदार केर मार्फत दोसर कामदार लेल रोजगार ताकब एकटा सुभिस्तापूर्ण सेवा हम सब उपलब्ध करा सकैत छी से सोचि अपन संस्थाक सदस्य सबकेँ एहि लेल उचित जानकारी समेटबाक आग्रह केलहुँ।
संस्थाक तरफ सँ आ व्यक्तिगत सदस्यक तरफ सँ सेहो समय-समय पर एहि तरहक आवश्यकताक बारे समाचार दैत रहब, इच्छूक व्यक्ति हमरा सब सँ फेसबुक पेजक मार्फत सम्पर्क करैत उचित लाभ उठा सकैत छथि। एहि मे बिचौलिया सब पर जे अनाहक पैसाक नोक्सानी करय पड़ैत छैक ताहि सँ बचता, संगहि बेसीकाल बात कोनो काजक आ यथार्थ काज किछु आरे समान जे धोखाधड़ी आदि होइत छैक ताहू सँ बचैत सीधे रोजगारदाता आ संस्था सँ सम्पर्क कय सकैत छथि।
निश्चित रूप सँ मिथिला एकता समाजक एहि डेग सँ बहुते मिथिलावासी लोकनि केँ लाभ पहुँचत से आशा राखि सकैत छी।
हालक लेल अध्यक्ष सुनील गुप्ता अपन फेसबुक पेज सँ जानकारी करौलनि अछि जे यदि कियो साथी नक्कल कफाला कराबय चाहैत होइ तऽ इलिक-क्तृसियन, प्लम्बर, टायल मेशन, कार्पेन्टर, स्टील फिक्चर सबहक कार्यक लेल आकर्षक सेलरीक व्यवस्था सहित उपलब्ध अवसर केर लाभ उठाउ। तुरन्त आवश्यकता रहबाक कारणे टेलिफोन मार्फत सेहो सम्पर्क कय सकैत छी – सुनील गुप्ता जी अपन नंबर सेहो उपलब्ध करौलनि अछि: सम्पर्क न. ०५९१०८१३७२ – सुनिल गुप्ता।

14 Comments
sir mai b.tech 2015 pass out hu mujhe dubai jana h plz inform me agr mere liye koi job h
बहुत नीक जानकारी । धन्यवाद सुनिल गुप्ता जी तथा न्युज पोर्टल-मैथिली जिन्दाबाद !
Sir,
I am B.Tech in electronics & instrumentation in 2007. And did M.Tech in electronics & communication. How will you helpful for me for job in dubai. Do the needful.
I m prabhash kumar, I have completed b. Tech in electronic & telecommunications engineering. In 2008, I have 5 year experienced in telecom sector 1 year in embedded software, 6 month in maintenance…
Prabhash
Sir mai b.tech 2015 pass out hu branch ece se hu sir kya mujhe aapse koi refernce mil sakti h
sir
mai s.L.c.pass hu agar mere liye koi kaam hai to bata dijiye
kaam koi bhi no problem mai karunga.
mai abhi 5 din pahale qatar se 4.4saal baad aapas aaya hu…..
ph no:+9779803898706
ghar-khutauna(sarlahi)
tanks
E bahut nik jaankari del gail aich. Sunil Gupta ji k ai lel bahut bahut dhanyabad.
Kunu jankari chhai ta hamro joru
Namaskar.I am Ajay Roy from Darbhanga.I am searching Job in Power station/plant.I am PG Diploma holder in Thermal Power Engineering with less than 2 year experience in.Please do revert me on [email protected]
i have passed diploma in civil. i want a job for me
0511091372 yahi no h na sunil jii ka no pe call kaha lag raha
I’m b.sc.nursing holder and I want job in abroad
Mob.no.09785919605 b.sc nursing holder I want job abroad
पुताई पेंट का काम है