
नितीस कुमार के लोक सब आओर मीडिया वला विकास पुरुष कहैत छैक | हमरा गाम में एखन तक बिजली नै लागल हम सब एखनो लालटेन युग में जी रहल छी | त नितीस कुमार विकास पुरुष केना????? – फोटो: आनन्द झा
हम आनन्द झा गाम:- मजरही, पोस्ट:-चिचरी कानूनगो, थाना:-राजनगर, जिला:-मधुबनी । हमर गाम में 2002 मे बिजली केर खम्बा लगला के बावजूद एखन तक बिजली नै लागल अछि। कतेको प्रयास केला के बावजूद हम सब एखन तक बिजली स वंचित छी। हालाँकि हमर गाम के आसपास सब गाम में विधुतीकरण भ चुकल अछि। जखन कि हमर गाम मधुबनी स लौकहा जाय वला मुख्य रोड पर राजनगर स 5 किलोमीटर दूर अछि। हमर गाम के बिच स 33000 वोल्ट 11000 वोल्ट के बिजली के तार गुजरल अछि। हमर ग्रामीण सब कतेक बेर अपना अपना तरह स प्रयास केलैन आ दलाल सब के बिच पैर कय कैइयेको हजार रुपया ठगा गेलथि। लेकिन एखन तक ई समस्या केर समाधान नै भेल। हम चाहै छी जे अहाँ अपन मैथिली जिन्दाबाद केर माध्यम सँ ई मुद्दा के उठाऊ ताकि बिजली विभाग तक ई बात पहुँच सकैय। धन्यवाद। आरो कोनो जानकारी चाही तऽ जरुर कहब।