Search

मिथिलानी नंदिनी मिश्राक सम्मान उत्तर प्रदेश मुख्यमंत्री अखिलेश यादव द्वारा

169 भ्यूज

रंजित मिश्रा, इलाहाबाद। सितम्बर १, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

nandini mishra honoredमिथिलाक गौरवमय परिवारक पुत्री एवं पुतहु समस्त मिथिलावासी केँ गौरवान्वित केलीह। महामहोपाध्याय स्वर्गीय उमेश मिश्रक पौत्री आओर संत आई0ए0एस0 स्व0 रमाकांत मिश्रक पुत्री शास्त्र चूड़ामणि वैयाकरण केशरी स्व0 पंडित त्रिविक्रंम मिश्रक पुतोहु आर अखिल भारत रचनात्मक समाज केर राष्ट्रिय महामंत्री श्री विभूति कुमार मिश्रक धर्मपत्नी श्रीमती नंदिनी मिश्रा केँ ‘महिला सशक्तिकरण’ केर क्षेत्र मे उत्कृष्ट योगदान केँ देखैत उत्तर प्रदेश सरकार द्वारा सम्मानित कैल गेल अछि। माननीय मुख्यमंत्री श्री अखिलेश यादव दिनांक 27 अगस्त 2015 केँ एकटा समारोह बीच नंदिनी मिश्रा केँ सम्मान पत्र हस्तान्तरित केलाह। एहि सँ हम सब मिथिलावासी विशेष रूप सं आह्लादित छी। मिथिलानी भले कोनो समाज मे छथि, ओ अपन ओजस्वी योगदान सँ मिथिलाक नाम रौशन कय रहली अछि।

श्रीमती नंदिनी मिश्रा उत्तरप्रदेश केर विंध्याचल क्षेत्र मे रहि कय पिछुला १६ वरिख सँ ग्रामीण गरीब आदिवासी एवं निराश्रित महिला केर आर्थिक एवं सामाजिक रूप सँ सशक्त करय मे अप्पन पतिक संगे अप्पन जीवन समर्पित कय देने छैथ। हिनकर एहि मुहिम मे लगभग डेढ़ लाख महिला जुड़ल अछि । ई महिला प्रबोधिनी फाउंडेशनक महासचिव सेहो छैथ तथा सरकारी आओर विदेशी अनुदान सं अप्पन मुहिम केँ कोसों-कोस दूर रखने छैथ। पिछला साल २९-११-२०१४ केँ हिनका द्वारा आयोजित विशाल महाशक्ति सम्मेलन मे लगभग ४० हजार महिला भाग लेने छलीह जाहि मे माननीय प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी जीक प्रतिनिधिक रूप मे वर्तमान उत्तर प्रदेश भाजपाक अध्यक्ष डॉ0 लक्ष्मीकांत वाजपेयी मुख्य अतिथि छलाह।

Related Articles