उग्रतारा महोत्सव अक्टुबर मे: जिलाधिकारी सहरसा

 

महिषी मे उग्रतारा महोत्सव 14, 15 और 16 अक्टूबर केँ

अमित आनन्द, महिषीधाम, सहरसा। २८ अक्टुबर, २०१५। मैथिली जिन्दाबाद!!

ugrataraपर्यटन विभाग द्वारा आयोजित महिषी मे त्रि-दिवसीय उग्रतारा सांस्कृतिक महोत्सव केर भव्य आयोजन होयत

जिलाधिकारी सहरसा केर अध्यक्षता मे जिलाक वरीय अधिकारीगण और महोत्सव सँ जुड़ल सदस्य लोकनिक पहिल प्रारम्भिक बैसार जिलाधिकारीक संग आइ संपन्न भेल।

जिलाधिकारी द्वारा महोत्सव स्थल तक पहुँचबाक बाट और महिषी चौक सँ उग्रतारा मंदिर धरि सड़क केर सम्बन्धित एजेंसी केँ अविलम्ब दुरुस्त करबाक आदेश देल गेल। संगहो मंदिर परिसर मे अवस्थित हाई मास्क केँ चालु करबाक सेहो आदेश देल गेल।

महोत्सव आयोजन सँ सम्बंधित पूर्ण बैठक ऐगला तीन दिनक बाद होयबाक बात कहल गेल अछि। महिषी मे आयोजित उग्रतारा सांस्कृतिक महोत्सवकेर केर आयोजन लेल पहिल आधिकारिक बैसार जिलाधिकारी श्री विनोद सिंह गुंजियाल (IAS 2007) केर अध्यक्षता मे बस कनि देर पहिने संपन्न भेल अछि। जिलाधिकारी एहि महोत्सव लेल बड बेसी उत्साहित बुझा पड़ला। मीटिंग प्रारंभ होयबा सं पहिने महिषी मे मुख्य आयोजन स्थल केर अपने सँ विजिट कय आयल छलाह। आजुक बैसार सँ पहिने ओ एकर पृष्ठभूमि केर बारे मे विस्तृत जानकारी लेलैन।

आय सँ तीन दिन केर बाद पुनः विस्तृत बैठक होयत। जिलाक सब अधिकारी केँ ओ स्पष्ट निर्देश देलैन जे एहि महोत्सव केर सफलता सब अधिकारी केर परम कर्तव्य अछि।