मिथिलाक्षर प्रशिक्षण अभियानक तेसर हप्ता

मिथिला चौक, कनाट प्लेस, दिल्ली। अगस्त २२, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

mithilakshar3मैथिली फाउन्डेशन संस्थापक कौशल कुमार द्वारा संचालित मिथिलाक्षर प्रशिक्षण अभियान केर आइ तेसर हप्ताहक रूटीन प्रशिक्षण करीक एक दर्जन प्रशिक्षु केँ देल गेल। मिथिलाक्षर प्रशिक्षण कार्यक्रम मे भाग लेनिहार कमल संदेश केर सह-संपादक संजीब सिन्हा प्रसन्नता व्यक्त करैत अपन उद्गार प्रकट केलैन आ संगहि आरो मैथिल केँ एहि प्रशिक्षण अभियान सँ जुड़ैत अपन लिपि केँ बचेबाक अपील केलनि। अपन फेसबुक स्टेटस द्वारा अमर नाथ झा जी एहि प्रशिक्षण शिविर केर तस्वीर सब शेयर केलैन अछि। ओही ठाम संजीब सिन्हा प्रतिक्रिया देलनि अछि जे “कतेक आनंद अबैत अछि मिथिलाक्षर शिक्षण अभियान मे, अपन मातृभाषा के प्रोन्‍नतिशील बनाब’ लेल सामूहिक प्रतिबद्धताक प्रकटीकरण. संगे मिथिलाक गप-शप, गाम-घरक बात, चाह-पानी सेहो. जय मिथिला-जय मैथिली. सब मैथिल युवा कें आह्वान – आगू आउ, अपन लिपि मिथिलाक्षर के बचाउ.” विदित हो जे मैथिली-मिथिलाक अभियान केर विभिन्न रूप मे सक्रिय अनेको सक्रिय अभियानी लोकनि एहि शिविर मे सक्रियता सँ सहभागी बनि रहला अछि। धीरे-धीरे ई संख्या बढिते चलि जायत, से भावना प्रशिक्षक कौशल कुमार बतौलनि। मिथिलाक्षर प्रिन्ट कैल कैलेन्डर छपाकय अलग-अलग शहर मे सेहो बाँटबाक कार्य निरंतर करैत मिथिलालिपिक संरक्षण लेल प्रयास जारी अछि, एहि क्रम मे मिथिलांचल महासभा उत्तरप्रदेश केर कानपुर युनिट द्वारा हाले करीब १००० पीस कैलेन्डर मंगाकय घरे-घर बाँटल जेबाक जानकारी करौलनि कौशल जी। दिल्लीक बाद ई प्रशिक्षण शिविर आन-आन शहर मे सेहो लगेबाक नियार अछि सेहो जानकारी देलनि।