परंपरा ठाकुर: मैथिली गीतकार रविन्द्रक पोती ‘भ्वाइस अफ इंडिया’ सिंगर केर वोटिंग राउन्ड मे

अगस्त २२, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

paramparaएण्ड टीवी द्वारा चलायल जा रहल लोकप्रिय म्युजिक शो पर सुप्रसिद्ध मैथिली गीतकार जोड़ी रविन्द्र-महिन्द्र केर एकमात्र जीवित लेजेन्ड गीतकार श्री रविन्द्र नाथ ठाकुर केर सुपुत्र अवनिन्द्र ठाकुर केर सुपुत्री परंपरा ठाकुर प्रारंभिक राउन्ड मे अपन गायकी कलाक संग-संग प्रस्तुति कला मे सेहो लोहा मनबैत अन्तिम राउन्ड मे प्रवेश कएली अछि। ई जानकारी हिनक बुआ श्रीमती सारिका ठाकुर द्वारा देल गेल फेसबुक अपडेट सँ भेटल अछि।

श्रीमती सारिका ठाकुर अपन फेसबुक सँ अपडे लगौली अछि जे “एखन धरि नहि सुनलहुँ तऽ आब सुनि लेल जाउ…. ई थीक हमर बिटिया परंपरा ठाकुर… &Tv आयोजित The voice of india केर प्रतियोगी अछि। एखन तक जज लोकनि एकर प्रतिभा देखिकय सुरक्षित रखलनि। लेकिन आइ सँ ई वोटिंग रेंज मे आबि रहल अछि…. सुनू आर नीक लागय तऽ आशीर्वाद दियौक।” वोट करबाक लेल सेहो श्रीमती ठाकुर उपाय बतबैत अपील केली अछि, “वोट करबाक लेल 9021103675 पर कॉल करू आ 57575 पर sms करू। SMS Code अछि: VOICE PAR”

ई मैथिली जगत् लेल गर्वक विषय भेल जे एकटा प्राइम शो आ सेहो पूरे भारत देश स्तर पर परंपरा ठाकुर अपन अप्रतिम प्रतिभा सँ पहुँचि गेली अछि। आगाँ वोटिंग राउन्ड मे नियम अनुसार हिनका वास्ते दर्शक केर तरफ सँ वोट होयब जरुरी अछि। देखल गेलैक अछि जे नीक-नीक कलाकार केर पक्ष मे यदि वोटक संख्या बेसी नहि पड़ैत अछि तऽ ओ अछैते प्रतिभा ओहि टैलेन्ट शो सँ छँटा जाइत अछि। ताहि हेतु मैथिली जिन्दाबाद सेहो अपन पाठक सँ अपील करैत अछि जे ऊपर बतायल गेल तरीका मुताबिक सब कियो वोट करी आ परंपरा केँ जीतक मुकाम तक पहुँचय मे सपोर्ट करी।