दिल्ली, अगस्त १६, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
भारत सरकार द्वारा जारी कैल गेल विज्ञप्ति अनुसार भारतक राष्ट्रपति डा. प्रणव मुखर्जीक हाथ सँ संस्कृत, फारसी, अरबी आर पाली भाषाक कुल ३० विद्वान् केँ सम्मान पत्र आर महर्षि बद्रायण व्यास सम्मान देल जायत। एहि ३० विद्वान् मे मिथिलाक दुइ विशिष्ट विद्वान् प्रो. लक्ष्मीश्वर झा एवं डा. रत्न मोहन झा केर नाम सेहो समाहित अछि। उल्लेखित भाषा मे उत्कृष्ट योगदान देबाक लेल साल मे एक बेर ई सम्मान स्वतंत्रता दिवस पर महामहिम राष्ट्रपति द्वारा देल जाइत अछि।
दुनू विद्वान् राष्ट्रीय संस्कृत संस्थान दिल्ली मे प्रोफेसर छथि। विभिन्न संकाय केर विभागाध्यक्ष सेहो रहैत अन्यान्य संस्थान मे सेहो सेवा आदि प्रदान कएने छथि। संगहि संस्कृत भाषा मे वेद व अन्य विषय पर निरंतर शोधमूलक प्रस्तुति सँ अपना सहित राष्ट्र आर मिथिलाक गौरव केँ बढबैत रहला अछि।
वर्तमान मे घोषित सम्मानक सूची मे हिनका लोकनिक नाम पड़ला सँ समूचा मिथिला गर्वान्वित होएबाक अनुभूति पाबि रहल अछि। वर्तमान व्यवसायिक युग मे पर्यन्त संस्कृत शिक्षाक महत्व ओतबे उच्च छैक एहि सत्य सँ आम जनमानस केँ आत्मसात करौलक अछि।
जारी प्रेस विज्ञप्तिक उतार निम्न अछि:
| संस्कृत, फारसी, अरबी और पाली/प्राकृत केर विद्वान केँ सम्मान पत्र |
| माननीय राष्ट्रपति संस्कृत, फारसी, अरबी और पाली/प्राकृत केर निम्नलिखित विद्वान केँ सम्मान पत्र सँ नवाजलनि अछि:संस्कृत
1. डॉ.(श्रीमती) शशि तिवारी 2. श्री लक्ष्मीइश्वर झा 3. प्रो. सुधाकर दीक्षित 4. प्रो. जी. महाबालेश्वर भट्ट 5. श्री एस. एम. वीरराघवचर 6. वेद रत्न केशव सीताराम जोगलेकर 7. श्री ए. हरिदास भट्ट 8. पंडित श्रीकृष्ण शास्त्री काशीनाथ शास्त्री जोशी(कोडानीकर) 9. डॉ. रामकिशोर शुक्ला 10. श्री गुल्लापल्ली वेंकटनारायण गणपति 11. श्री हरि दत्त शर्मा 12. प्रो. ओम प्रकाश पांडे 13. डॉ. कैलाश चंद्र देव 14. पंडित जगन्नाथ शास्त्री तेलंग 15. डॉ. वाचस्पति मैठानी
संस्कृत (अंतर्राष्ट्रीय) 1. श्री अश्को परपोला अरबी 1. डॉ. निजारूद्दीन ए. 2. प्रो. मोहम्मद हसन खान फारसी 1. डॉ. गुलाम रसूल जन 2. प्रो.( डॉ.) मोहम्मद मुन्नवर मसूदी 3. श्री एहसान करीम बुरके पाली 1. प्रो. पद्मयुना दुबे एकर अलावे, माननीय राष्ट्रपति द्वारा संस्कृत, फारसी, अरबी और पाली/प्राकृत केर निम्नलिखित विद्वान केँ महर्षि बद्रायन व्यास सम्मान सँ नवाजल गेल अछि: संस्कृत 1. डॉ. वीरूपक्षा वी. जडीपल 2. डॉ. रत्ना मोहन झा 3. डॉ. बिष्णुपद महापात्रा 4. डॉ. प्रसाद प्रकाश जोशी 5. डॉ. देवीप्रसाद मिश्रा
अरबी 1. डॉ. हेफा सीकरी फारसी 1. डॉ. इमरान अहमद चौधरी पाली 1. श्री धमादीप पंधारी वानखेडे संस्कृत, फारसी, अरबी और पाली/प्राकृत केर क्षेत्र मे उल्लेखनीय योगदान देबाक लेल ई पुरस्कार साल मे एक बेर स्वतंत्रता दिवस पर देल जाइत अछि। |

4 Comments
प्रसन्नताक बात
Nik prayas achi website ke prachar hobak chahi thatha mitihla ke prayatan stalhala ke vigyapan seho
Nik prayas
samast Mithilavasi Key lel Guravak bat acchi je Du ta Vidwan mahamahim Rastrapati ji san Sammanit Bhela Acchi
Dhanaybad