Search

नव वर्षक नवका पतरा (मिथिला पंचांग) लेल पंडित सभा सम्पन्नः शुभ मुहूर्तक तिथिक घोषणा

1001 भ्यूज

फोटो आ समाचार साभार – डा संजीत कुमार झा ‘सरस’

मिथिलाक अपन पांडित्य परम्पराक इतिहास रहल अछि । हरेक वर्ष मिथिला पद्धति अनुरूपक पतरा ‘मिथिला पंचांग’ रूप मे जारी कयल जाइछ । एहि वास्ते पंडित सभा दरभंगा स्थित कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालयक अगुवाई मे कयल जाइछ । सावन मास सँ आरम्भ होयवला पतरा केर विभिन्न तिथि, शुभ-मुहूर्त आदि जारी करबाक लेल पंडित सभा सम्पन्न भेल अछि । एहि सन्दर्भित डा. संजीत कुमार झा ‘सरस’ द्वारा फेसबुक मार्फत सूचना प्रवाह कयल गेल अछि । ओ लिखैत छथि –

दरभंगा मे नूतन पञ्चाङ्ग निर्माण तथा वर्ष 2026-27 मे उपनयन, विवाह, द्विरागमन, मुंडन, गृहारंभ, गृह-प्रवेश व देवादिप्रतिष्ठाक शुभ मुहूर्त केर निर्धारण सँ संबंधित पंडित सभा मे आइ उपस्थित रही ।

ज्ञातव्य हो जे पंडित सभा मे लेल गेल निर्णयक मुताबिक एहि वर्ष सौरठ सभाक आयोजन 01 – 07- 2027 सँ 09 – 07- 2027 तक होयत तथा उपनयन, विवाह आदिक मुहूर्त निम्नवत् रहत ।

उपनयन केर 14 दिन
————————–
2027 मे फरवरी माह केर 9 तारीख (छन्दोग), 11, 16(छन्दोग), 17, मार्च में 17 केँ (क्षत्रिय, वैश्य), 18, अप्रैल मे 11, मइ मे 10, जून माह मे 07, 09, 13, 14, जुलाइ मे 06 (छन्दोग), 08 केँ उपनयन होयत ।
—————–
विवाह केर 63 दिन :
———————-

वर्ष 2026 मे नवंबर मे 22, 25, 26, 30, दिसंबर मे 04, 06, 09, 10, 11, 14, जनवरी 2027 मे 18, 24, 28, 29, 31, फरवरी मे 07, 10, 11, 15, 21, 22, 24, 25, 28, मार्च मे 01, 03, 04, 10, 11, अप्रैल माह मे 10, 21, 23, 25, 28, 29, मई मे 02, 03, 07, 09, 13, 17, 20, 21, 23, 24, 26, 27, 30, 31, जून मे 02, 04, 09, 10, 13, 14, 18, 23, 24, जुलाई मे 01, 02, 07, 08,09
——————-

द्विरागमन के 27 दिन

नवंबर 2026 मे 22, 25, 26, 29, दिसंबर मे 09, 10, 11, 13, 14, फरवरी 2027 मे 15, 17, 18, 19, 22, 24, 25, मार्च मे 10, 11, अप्रैल मे 18, 19, 21, 23, 25, 26, मई मे 09, 10, 12
——————
मुंडन के 22 दिन

नवंबर 2026 मे 26, दिसंबर मे 14, जनवरी 2027 मे 20 और 27, फरवरी मे 08, 11, 18, 19, 22, 25, मार्च मे 10 और 11, मई मे 12, 17, 21, जून मे 07, 14, 21, 23 और 24, जुलाई मे 05 और 12
——————
गृहारंभ के 19 दिन

अक्टूबर 2026 में 24, 26, 30, नवंबर में 20, 21, 26, 28, जनवरी 2027 में 22 को, फरवरी में 19, 22, 25, अप्रैल में 23, मई में 17, 20, 22, जून में 14, 21, 23, 24
——————–
गृहप्रवेश के 18 दिन

अक्टूबर 2026 में 24, नवंबर में 14, 19, 20, 21 तथा 14 दिसंबर को, जनवरी 2027 में 18 और 20, फरवरी में 15, 17, 18, 19, मई में 10, 12, 17, जून में 14। जुलाई में 09, 10
—————–
देवादिप्रतिष्ठा के 18 दिन :

जनवरी 2027 मे 20, 22, फरवरी मे 08, 11, 18, 19, मार्च मे 10, 11, अप्रैल मे 18, मई मे 09, 12, 17, जून मे 06, 07, 13, 14, जुलाई मे 05 और 09 निर्धारित कयल गेल अछि ।

Related Articles