समाचार साभार: राम बहादुर रेणू केर फेसबुक पोस्ट
कोशी इलाकाक विद्वान गणित शिक्षक, श्री कृष्ण नाट्य कला परिषद्, कोशलीपट्टी (जिला सुपौल, बिहार) केर मजगुत स्तंभ कोशलीपट्टी निवासी हमर सभक महेश्वरी भाइजीक १७ अप्रैल २०२६ भोरे अवसान (देहांत) भ गेलनि ।
महेश्वरी प्रसाद यादव विद्या विहार स्कूल, गम्हरिया ( मधेपुरा जिला) केर स्थापना कय सैकड़ों गरीब छात्रक शिक्षा प्रति उन्मुख कयलनि । हज़ारों विद्यार्थी सब हुनका स गणितक शिक्षा लय कें अपन जीवन संवारलक अछि । ओ गोपाष्टमी मेला कोशलीपट्टी मे प्रस्तुत कतेको रास नाटक सब मे नायकक भूमिका विलक्षणताक संग निभेने छलाह ।
हुनक एहि तरह असमय वैकुंठधाम गेला स पूरा इलाका/पूरा शिक्षा और कला जगत शोकाकुल अछि ।
हम स्तब्ध आ अत्यंत दु:खी छी । हमर परिवारक अपूर्णीय क्षति छी ई । ओ हमर पिताक मसियौत भाइ स्वर्गीय दुखीचन्द यादव जी ( भगता बाबा) केर सबसे छोट पुत्र छलाह ।
भाइजी, अहाँ बहुत जल्दी चलि गेलहुँ । बहुत कमी खलत हमरा सबकें । बहुत याद आयब अहाँ । अहाँक निश्छल मुस्कान और साकारात्मकता हमरा हमेशा प्रेरित करैत रहत ।
भावभीनी श्रद्धांजलि! 🙏
#SadDemise #educator #MaheshwariPrasadYadav #koshalipatty #bihar
