बनगाँव, सहरसा । किसलय कृष्ण । अगस्त १२, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
सहरसा जिलाक प्रसिद्ध गाम बनगाँवक युवा वर्गक अनवरत मेहनति आ कार्यशैली सँ आइ लक्ष्मीनाथ कुटी परिसर सँ सटल लक्ष्मीनाथ पुस्तकालयक लोकार्पण स्थानीय विधायक आलोक रंजन झा द्वारा होयत ।
एहि अवसर पर मैथिली सांस्कृतिक कार्यक्रम आ लक्ष्मीनाथ पुस्तकालय सेवा संस्थान द्वारा आयोजित प्रतियोगिता मे चयनित छात्रकेँ पुरस्कृत सेहो कएल जायत ।
तत्काल पूर्वनिर्मित सामुदायिक भवनमे संचालित ई पुस्तकालय हेतु नव भवन निर्माण लेल विधायक कोष सँ स्वीकृति भेटि गेल अछि, जकरा लेल भूमि पूजन आ शिलान्यास सेहो आइए कएल जायत ।
पुस्तकालय संस्थापक अध्यक्ष मन्टुजी, सचिव राहुल बिल्टु, झा रुपेश, प्रसेनजित आदि आयोजन केँ ल क पूर्ण सक्रिय छथि ।
पुस्तकालय मे कम्प्यूटर सेन्टरक आरम्भ कंचन दीदीक सहयोग सँ भेल अछि ।

1 Comment
आय सहरसा जिलाक बनगॉव ग्राम जतय शिक्षा, संस्कृति आ सभ्यताक मिसाल देखल जाइत ऐछ आ संगहि विशिष्ट ज्ञानोपार्जनक लेल बाबा लक्ष्मीनाथ गोसाई महाविद्यालय, संस्कृत महाविद्यालय, हाई स्कूल (बॉयज & गर्ल्स) आ अनेको मध्य विद्यालय, प्राइमरी विद्यालय एवं प्राइवेट शिक्षा संस्थान कार्यरत ऐछ ताहि ठाम बाबा लक्ष्मीनाथ पुस्तकालय भवनक शिलान्यास भय रहल ऐछ, ई देखैत बड़ा हर्षक अनुभूति भ रहल ऐछ। हम माननीय विधायक महोदय (कहरा प्रखंड) केर आभारी छी आ संगहि कंचन दीदीक सेहो जे ऐय पुस्तकालय केर लेल कंप्यूटर सेंटरक योगदान देलखिन्ह। हम आभारी छी ओ समस्त लोकनिक जे ई पुस्तकालय केर लेल दान देने छथिन आ संगहि आभारी छी पुस्तकालयक संस्थापक महोदय आ सदस्य केर जिनका बदौलत ई कार्य संभव भ सकल।
हम बाबा जी सँ प्रार्थना करैत छी जे आगु दिन ई पुस्तकालयक भविष्यत् दिन दूना रात चौगुना करैथ जाहिसँ बनगॉव वासी आ जिला वासी लाभान्वित भ सकैथ। धन्यवाद।। बनगॉव वासी