मैथिली नाटक केर चर्चित संस्था भंगिमाक वार्षिकोत्सव आइ पटना मे

प्रियंका झा, पटना। अगस्त ४, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

मैथिली रंग आन्दोलनक चर्चित संस्था भंगिमा पटना ४ अगस्त २०१५ केँ अपन वार्षिकोत्सव मना रहल अछि ।

bhangima patnaएहि अवसर पर राजधानी पटना स्थित कालीदास रंगालय मे तीन गोट मैथिली नाटक केर प्रस्तुति होयत । कुमार गगन लिखित ‘एखनहुँ अबेर नहि भेल अछि’ केर प्रस्तुति प्रसिद्ध रंगकर्मी उमाकान्तक निर्वेशनमे होयत । त मैथिलीक प्रसिद्ध रंग निर्देशक कुणालक निर्देशनमे राजकमल चौधरी लिखित कथा ‘साँझक गाछ’ आ सुभाष चन्द्र यादव केर कथा ‘डर’ केर रंगमंचीय प्रस्तुति होयत । निश्चित रुपे ई आयोजन मैथिली रंगमंच लेल एकटा सार्थक डेग सिद्ध होयत ।