ब्रेकिंग न्युज
– सुभाषचंद्र झा, सहरसा। जुलाई २८, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
देश मे एक तरफ आतंकवादीक हमला सँ पंजाब त्रस्त, दोसर तरफ जनताक राष्ट्रपति भारत रत्न डा. अब्दुल कलाम केर अचानक मृत्यु सँ समूचा देश व विश्व मे शोक केर लहैर, एहि सब सँ बिल्कुल हँटल ‘क्रान्तिभूमि सहरसा’ मे राजनीतिक चालबाजी सँ पुन: धार्मिक आ जातीय सौहार्द्र केँ बिगाड़बाक कुत्सित प्रयास हेबाक बदतर समाचार अछि।
सहरसा हटिया गाछी स्थित महावीर मंदिर मे किछु शरारती तत्त्व द्वारा माँछक व माँसक टुकड़ा फेकि दुइ समुदाय हिन्दू एवं मुसलमानक बीच सांप्रदायिक सौहार्द्र केँ खलबलायल जेबाक खबैड़ आइ भोरे ८ बजे सँ सहरसा मे तहलका मचौने अछि। स्पष्ट छैक जे सहरसा मे सेहो आगामी विधानसभा चुनाव केर असैर सँ राजनीति मे गर्माहट आबि गेल छैक। एहेन स्थिति मे धर्म, जाति, वर्गीय विभेद आदिक मुद्दा सँ पुन: लोकमानसक मस्तिष्क केँ गरम कय वोटक रोटी सेकबाक खेल होयब तय अछि।
संयोगवश एहि संभावित सियासी झगड़ा पर अंकुश लगेबाक कार्य पूर्व भाजपा विधायक संजीव झा आ मुस्तैद सहरसा पूलिस प्रशासन द्वारा अपराह्न ४ बजे धरि सामाजिक वार्ता आ आपसी समझदारी सँ स्थापित कैल जा सकल, ई शुभ समाचार अछि। यैह समझौताक कारण सहरसा सांप्रदायिक दंगाक आइग मे झुलसबा सँ बाल-बाल बैच गेल ई समाजक लोक सबकेँ चर्चा करैत सुनल गेल।
विधायक संजीव झा कहलैन जे “ई जरुर कियो दुइ समुदायक बीच झगड़ा लगैबाक कुत्सित प्रयासक तहत कयलक अछि, चुनाव पूर्व एहेन संवेदनशील दुर्घटना करायब क्षुद्र राजनीति कएनिहार कोनो शरारती तत्त्वक षड्यन्त्र बुझाइत अछि। सहरसावासी एतेक हड़बड़िया नहि। वर्षों सँ एक संग रहैत आबि रहल दुनू समुदाय एक-दोसरक धर्म केँ आदर करैत अछि। संगहि सहरसाक प्रशासन काफी चुस्त अछि। संयोग नीक भेल जे समय पर बुझारत कैल जा सकल। हमरा सबकेँ रहैत एहेन दुर्घटना सँ अपन जन्मभूमि केँ देश मे बदनाम कथमपि नहि होमय देब।”
हिन्दू आस्था पर चोट पड़ैत देखि आक्रोशित लोक सब सड़क सेहो जाम कयने छल, दोषी केँ पकड़ि कड़ा कार्रबाई करबाक माँग कैल गेल। थानाध्यक्ष संजय कुमार सिंह आक्रोशित जनमानस केँ बुझबैत मामिलाक छानबीन करबाक आश्वासन देलनि। संगहि द्रुत गति सँ समाजक विभिन्न वर्गक सम्भ्रान्त लोक सब केँ आपसी वार्ता हेतु बैसार बजाओल गेल। एहि बैसार मे बुद्धिजीवी, व्यवसायी, सब राजनीतिक दल केर कार्यकर्ता आ प्रशासनक जिम्मेवार अधिकारी संगे बैसिकय समस्याक समीक्षा कएलनि। ई घटना कोनो षड्यन्त्र सेहो भऽ सकैत अछि एहि आशंका केँ मानि तत्काल लेल सामाजिक सौहार्द बना कय राखब जरुरी हेबाक कारण एहि तरहक निर्णय लेल गेल।
एहि बैसार मे अग्र भूमिका निर्वहन करैत पूर्व विधायक एवं समाजसेवी राजनीतिकर्मी श्री संजीव झा द्वारा मांग कयल गेल जे नियमानुसार मंदिर वा मस्जिद समान धार्मिक आस्थाक केन्द्र सँ १०० मीटर केर दायरा मे माँस-मदिराक बीक्री पर रोक लागल रहबाक नियम पर प्रशासन मुस्तैदी सँ जनता द्वारा पालन कराबय। एहि बात सँ प्रशासन सेहो सहमति जतबैत उचित आश्वासन देलाक बाद आक्रोश कम भेल। संगहि प्रशासन द्वारा एहि बातक छानबीन करैत दोषी केँ सोझाँ आनत ताहि पर जाम टूटल आ पुन: आपसी सौहार्द्र कायम भऽ सकल। मालुम हो जे हटियागाछी मे बजरंगबली मंदिर व विशाल मस्जिद अछि जतय अगल बगल माछ व मांस केर बिक्री खुलेआम चलि रहल अछि जाहि कारण एहि तरहक घटना घटि रहल अछि।