पोथी केर पाठकीयता बढ़ेबाक सार्थक पहल

अविनाश श्रोत्रिय, लालगंज, मधुबनी।

जुलाई २६, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

shyamanand smruti sammaanपोथिक संख्या बढ़ल, पोथिक उपलब्धता बढ़ल, पोथिक रूप बढ़ल, मुदा कतउ नहिं कतउ पोथि पढ़निहारक संख्या घटि गेल । सूचना आ ज्ञानक साधन पोथि-पतराक स्थान टेलीविजन लऽ लेलक अछि । लेखक पुरस्कृत होइत छथि, प्रकाशक पुरस्कृत होइत छथि, पोथि पुरस्कृत होइत अछि मुदा पाठक ??? नहिं…… तें पढबाक प्रवृति बढेबाक लेल यदुनाथ सार्वजानिक पुस्तकालय पाठक केँ पुरस्कृत करबाक निर्णय कयलक अछि ।

वर्ष धरि मे जे पाठक पुस्तकालय सँ सबसँ बेसी पोथी लय पढता हुनका सम्मानित कयल जायत । सम्मान लालगंज निवासी शब्द प्रदीपकार हेमपति झा, प्रसिद्ध विकल झाक पुत्र कर्णिका, मधुवीथी, वेदना, सुधावाल्ली आदि कव्यग्रंथक कृति रचनाकार, विभिन्न मांगलिक अवसर और गीतहारि लोकनिक कंठसँ स्वतःस्फूर्त व्यावहारिक गीतक ‘बालकवि’, जे.वी.एम्. संस्कृत कॉलेज, मुम्बईक पूर्व प्रधानाचार्य, व्याख्यान वाचस्पति, वैयाकरण पंडित श्यामानंद झा (२७ जुलाई १९०६- ३० अगस्त १९४९ ई.) केर स्मृतिमे हुनक जन्मदिवसक अवसर पर आगामी २७ जुलाई केँ नैयायिक प्रवर जगदीश मिश्र (१८९५-१९५९ ई.) क पौत्र, नैयायिक नंदिनाथ मिश्र (१९२०-१९७८ ई.) केर पुत्र, श्री उमानाथ मिश्र कें श्यामानंद झा स्मृति पाठक सम्मान सँ सादर सम्मानित कएल जायत । एहि अवसर पर सबकेँ खुल्ला आमंत्रित कैल गेल अछि । यदुनाथ सार्वजनिक पुस्तकालय परिवार लालगंज, पैटघाट, मधुबनी ई जानकारी करौलनि अछि।