एक सुमधुर गीत एक पल के जगा सकैत अछि
एक फूल सपना के जगा सकैत अछि
एक गाछ एक जंगल शुरू कs सकैत अछि
एक पक्षी वसंत के घोषणा कs सकैत अछि I
एक मुस्कान दोस्ती के शुरुआत करैत अछि
एक हाथ मिलायब आत्मा के ऊपर उठबैत अछि
एक सितारा समुद्र में जहाज के मार्गदर्शन कs सकैत अछि
एक शब्द लक्ष्य के निर्धारित कs सकैत अछि
एक वोट एक राष्ट्र के भविष्य बदलि सकैत अछि I
एक सूर्य केर किरण एक कमरा के प्रकाशित
एक मोमबत्ती अन्हार के मिटा दैत अछि
एक हँसी उदासी के जीति लैत अछि
प्रत्येक यात्रा के एक डेग सँ शुरू करबाक चाही
एक शब्द के प्रत्येक प्रार्थना शुरू करबाक चाही
एक उम्मीद हमरा सभक आत्मा के आगू बढ़बैत अछि
एक स्पर्श अहाँ के विचलित लोक के परवाह देखा दैत अछि I