युवा एकता द्वारा आयोजित २० जुलाई २०१५ केँ आयुक्त कार्यालयक सोझाँ सामूहिक उपवास तथा हस्ताक्षर कार्यक्रम मे हजारों-हजार लोकक एकत्रित भेनाय एहि बातक प्रमाण बनल। एहि अवसर पर राखल गेल सभाक संचालन किसलय कृष्ण आ सह-संचालन प्रवीण आनन्द केलनि। हर्षक गप जे तमाम प्रक्रिया मैथिली भाषा मे कैल गेल। संचालक किसलय कृष्ण कहला जे क्रान्तिक जैड़ सदिखन मातृभाषा आ निज विशिष्ट भाषिक पहिचान मे होइत छैक। हिन्दी हमरा सबहक राष्ट्रभाषा थीक ओकर सम्मान राष्ट्रस्तर पर अछिये। लेकिन जे हमरा लोकनिक माटि-पानि आ संस्कारक संग गामक विकास लेल कार्यक्रम होयत ताहू ठाम देखाबटी भरल कोनो आन भाषाक प्रयोग क्रान्तिक शत्रु मानैत छी हम। किसलय संचालन करैत कहलनि जे कोसी सीमांचल आदि मिथिला के तोड़बाक साजिश थीक। मगध केँ पटना मे एम्स भेट चुकल अछि आ आब मिथिला केर केन्द्र सहरसा केँ एम्स चाही।
एहि अवसर पर विधायक आलोक रंजन कहलनि जे एहि लेल स्थानक निर्णय बिहार सरकार करत आ तेँ आगामी ३ अगस्त सँ आरम्भ सत्र मे विधानसभा केर घेराव कैल जायत। एकर सभ समर्थन करैत निर्णय लेलनि जे पटना तक एहि आन्दोलन केँ पहुँचायब। पूर्व विधायक संजीव कुमार झा ओजपूर्ण वक्तव्य मे आन्दोलन केँ समर्थन देबाक गप केलनि । ओ कहलनि जे युवा सबहक प्रयास ई देखा रहल अछि जे हम सब कियो अपन क्षेत्रक विकास लेल सदिखन एक छी। राजनैतिक महात्त्वाकांक्षा सबहक अलग रहितो कोनो महत्त्वपूर्ण विकास लेल आपस मे अलग विचारधारा सँ फूट भेनाय हमरा लोकनिक दुर्भाग्य होयत। जहिना पहिने उपेक्षित रहल मिथिलाक्षेत्र तहिना आगुओ एकजुट नहि भेला पर हमरा सबकेँ लिल्लोह कैल जायत। ताहि हेतु ई संघर्ष एकताक संघर्ष थीक। सभा मे उपस्थित दर्जनों वक्ता लोकनि अपन मातृभाषा मे भाषण दैत मैथिल हेबाक आत्मसम्मान सेहो ग्रहण केलनि। अन्त मे एकटा ज्ञापन प्रेस केर माध्यम सँ राज्य तथा केन्द्र सरकारक ध्यानाकर्षण लेल देल गेल छल।