चेतना समिति मनेलक ६१म स्थापना दिवस: मैथिली आइएएस गुरु डा. शेखर सम्मानित

चेतना समिति पटना केर स्थापना दिवस पर मैथिल आइएएस गुरु डा. शेखर झा केर सम्मान
chetana samiti patna1विशेष संपादकीय
जागि रहल अछि चेतना समितिक पूर्व जोश आ होश!!
काल्हि मिथिला भवन पटना मे मैथिली-मिथिलाक लब्धप्रतिष्ठित संस्था आ कोनो समय मे मैथिली क्रान्तिक संस्थापना कएनिहार बुद्धिजीवी-समाजसेवी-विद्वतजनक समूह केर परिचायक ‘चेतना समिति – पटना’ अपन ६१म वर्षगाँठ मनौलक। एहि अवसर पर प्रमुख अतिथि उच्च न्यायालय पटनाक धरणीधर झा अपन मातृभाषा आ भाषिक पहिचान सँ भेटल संवैधानिक-विधिक सम्मान पर सभाकेँ संबोधन केलनि। ओ चेतना समिति पटनाक निरंतर प्रयास केर सराहना करैत मैथिली लेल पटनाक भूमि सदिखन अग्रसर रहल आ आगामी समय मे आरो महत्त्वपूर्ण योगदान देत ताहि पर विश्वास प्रकट केलनि।
हालहि संपन्न एक कार्यक्रम मे चेतना समितिक अध्यक्ष विजय मिश्र बिहार मे मैथिली केँ दोसर राजभाषा बनेबाक माँग केलनि आ संस्था एहि दिशा मे समुचित प्रतिनिधित्व करैत राज्य मे मैथिली केँ सम्मान दियायत। विदित हो जे मैथिली केँ राष्ट्रीय भाषा केर सूची अष्टम् अनुसूची मे शामिल करेबाक लेल चेतना समिति अहम भूमिका निर्वहन केने छल। मैथिली साहित्य केर इतिहास सँ लैत लिपि, पाण्डुलिपि, शिलालेख, दस्ताबेज सहित अनेको शोधमूलक कार्य मे एहि समिति सँ आबद्ध महान पुरोधा आ विद्वत् समाज काज केने छलाह, जेकर बदौलत वर्षोंक संघर्ष सँ अन्त मे मैथिली केँ जीत हासिल भेल। अनेकानेक ग्रंथक प्रकाशन सँ लैत मैथिली पोथीक संग्रह समान महत्त्वपूर्ण कार्य यैह समिति द्वारा कैल गेल। आइयो कोनो पोथी भले दरिभंगा मे भेटय वा नहि, चेतना समिति सँ जुड़ल शिव कुमार ठाकुर केर शिव पुस्तक भंडार मे हजारों प्रकाशनक पुस्तक केर संग्रह सौंसे देश-विदेश मे चर्चा कैल जाइछ।
विगत किछु वर्ष मे चेतना समितिक अध्यक्ष आ सुप्रसिद्ध नेता स्व. ललित बाबुक पुत्र अपन नेतागिरी मे बेसी व्यस्त रहलाक कारणे पिता वा काका समान उच्च मूल्यक अनेको कार्य करय सँ चुकि गेलाह अछि, ई आरोप हुनका पर लगैत छन्हि। मैथिली लेल कोनो तरहक गतिविधि कियो आन जा कय पटना मे करैत अछि तऽ सहयोगात्मक भूमिकाक ठाम पर व्यंग्यात्मक टिप्पणी आ असहयोगक नमूना एहि सुन्दर समितिक वर्तमान कानि-कानि मैथिली प्रति उदासीनताक विलाप करैत अछि।
तथापि मैथिली लेल पुन: शुरु कैल गेल उर्जान्वित कार्य सँ चारूकात उत्साहक माहौल अछि। पटनाक सुसुप्तावस्था सँ मैथिली मुर्दाबादक अबस्था सँ जिन्दाबादक दिशा मे बेसी उन्मुख भेल, ई कहि सकैत छी। एहि क्रम मे आइएएस मंथनक निदेशक डॉ शेखर झा केँ कुल १५ सफल युपीएससी देश केँ प्रदान करबाक लेल सम्मानित कएल जेबाक भरपूर सराहना हेबाक चाही। काल्हिक कार्यक्रम मे मैथिली सँ सफलता प्राप्त कएनिहार युपीएससी अभ्यर्थी मंयक कुमार झा जे प्रसिद्ध मैथिली साहित्यकार उपेन्द्र नाथ झा व्यास केर पौत्र सेहो छथि, हुनको सम्मानित कैल गेल। तहिना डॉ मिनिश्वर झा, राम नारायण सिंह आ नारायण झा जी केँ सेहो सम्मानित हिनका लोकनिक विभिन्न मैथिली साहित्य एवं भाषा सेवा लेल कएल गेल अछि, एहि सँ प्रेरणाक संचरण भेल अछि। कार्यक्रम केर अध्यक्षता गणेश शंकर खर्गा आ संचालन उमेश मिश्र केलनि, मैथिली भाषा, कला ओ संस्कृति सँ जुड़ल महत्त्वपूर्ण लोक सबहक मात्र उपस्थिति सँ समिति द्वारा व्यापक प्रचार-प्रसार नहि करबाक आरोपक बीच कार्यक्रम केँ सफलता भेटल से कहल जा सकैत अछि। सहरसा सँ सहभागी मैथिली-मिथिला अभियानी अमित आनन्द सेहो लिखैत छथि जे बहुत रास महत्त्वपूर्ण व्यक्ति सब सँ भेंट भेल। निश्चिते, मैथिलीक कोनो कार्यक्रम मे अक्सरहाँ महत्त्वपूर्ण व्यक्ति टा सँ भेंट होइत अछि। गाँधी मैदान मे जँ कोनो नेताक भाषण हो तऽ स्वाभाविके गाल पर आ माथ पर हाथ धय सौ-पाँच-सौ नहि हजारक-बजार देखबाक लेल भेटैत अछि आ बाद मे सब केँ बस ओकरा लोकनिक गन्तव्य धरि छोड़ैत अछि। मैथिली मे अमित आनन्द समान कम्मे लोक छथि जे सहरसा सँ अपन जेबीक खर्चा पर जाइत छथि आ महत्त्वपूर्ण संवादक संचरण करैत छथि। तखन ई तय अछि जे आगामी किछुए वर्ष मे मैथिली जिन्दाबाद हेब्बे टा करत।