Search

७ जून सँ प्रदर्शन होयत मैथिलीक सिग्नेचर फिल्म ‘विद्यापति’ – निर्माता सुनील कुमार झा

११ मई २०२४ । मैथिली जिन्दाबाद!!

७ जून सँ प्रदर्शित होयत ‘विद्यापति’

मैथिली भाषाक चिर-प्रतिक्षित सिनेमा ‘विद्यापति’क प्रदर्शन ७ जून सँ होमय जा रहल अछि। ई जनतब निर्माता सुनील कुमार झा देलनि अछि। सामाजिक संजाल मे निरन्तर ‘विद्यापति’ सिनेमाक बारे, एकर प्रचार-प्रसार आ तैयारीक बारे जानकारी दैत आबि रहला निर्माता एहि बेर दरभंगा शहर मे विद्यापति सिनेमाक होर्डिंग बोर्ड सब तरि लागि जेबाक सूचना साझा कयलनि अछि।

७ जून शुक्र दिन सँ मैथिलीक सिग्नेचर सिनेमा ‘विद्यापति’ लाइट हाउस लहेरियासराय मे लागत सेहो जानकारी श्री झा देलनि अछि। एहि फिल्म केर कुल चारि गोट शो चलत। लाइट हाउस सिनेमाक नव नाम ‘साहिल सिने कम्प्लेक्स थिक। विदित हो जे २६ मई केँ पटनाक विद्यापति भवन मे एकर स्क्रीनिंग सेहो कयल जायत, एकर आयोजन मैथिली महिला संघ द्वारा कयल गेल अछि। पूर्व निर्मित विद्यापतिक कथानक सँ हंटिकय ई नया ढंग सँ विद्यापतिक व्यक्तित्व ओ कृतित्व सब केँ समेटने अछि। एहि मे नव्यतम् आधुनिक तकनीक केर प्रयोग सँ फिल्मक प्रभाव दर्शकक चेतना केँ नव ढंग सँ प्रभावित करत, निर्माता-निर्देशक अहु बातक दावी कएने छथि।

Related Articles