मिथिलाक चमक हिन्दी सिनेमा मे: ‘मुरारी ए मैड जेन्टलमैन’

साक्षात्कार – वर्सटाइल सागर झा संग

– प्रवीण नारायण चौधरी, मैथिली जिन्दाबाद!!

jay ho murari babuविश्व भरि मे प्रसिद्ध हिन्दी सिनेमा ‘शोले’ आ ताहि मे ‘जेलर’ केर रोल खेलेनिहार ‘असरानी’ आब देखेता ‘ललन झा, मुखिया’ केर रूप मे, बाकायदा पाग पहिरिकय आ ठेंठ तिरहुतिया मैथिल जेकाँ रूआब झाड़ैत देखेता हिन्दी फिल्म ‘मुरारी ए मैड जेन्टलमैन’ मे।

जानिकय अत्यन्त प्रसन्नता भेटत जे एहि फिल्म केर लेखक अपन मिथिलाक खासमखास कलाकार, लेखक, अभिनेता, निर्देशक आ हुनकर कतेक परिचय दी, बस बहुप्रतिभाशाली मैथिल ‘सागर झा’ जे बहुत कम्मे समय मे लोकप्रियता अपन कर्मठता सँ – संघर्ष सँ स्थापित केलनि अछि।

करीब १० साल सँ रंगमंच, एड फिल्म जाहि मे टाटा ऐस, मारुती सुजुकी, टीबी मुक्त पटना और अद्भुत, टेलिविजन शो मे बालिका बधू, लाडो, जय जय शिवशंकर समेत २५ टा सँ बेसी कार्यक्रम मे भूमिका अदा केलनि। राजपाल यादवक फिल्म बिन्नी आ बबलू, अमिर खान संगे तलाश, तुषार कपूर संगे ‘क्या सूपर कूल हैं हम’ – एहि तीन टा मे महत्त्वपूर्ण सहायक अभिनेताक रूप मे हिन्दी फिल्म मे सेहो काज केलनि अछि जे निकट भविष्य मे आबयवला अछि। हाल ‘किंगडम अफ ड्रीम्स’, गुड़गाँव तथा ‘झूमरू’ शो मे अभिनय कय रहला अछि। मुरारी ए मैड जेन्टलमैन हिन्दी सिनेमा लेल लेखनक अतिरिक्त एकटा दोसरो सिनेमाक लेखन कय रहला अछि जाहि मे शूटिंग स्पट केर रूप मे अपन गाम फूलपरास केँ शामिल करेबाक निस्तुकी नियार अछि, कहैत छथि अभिनेता-निर्देशक-लेखक सागर झा। हिनकर उपलब्धिमूलक काज मे पोलियो लेल बनायल गेल विज्ञापन मे सूपरस्टार अमिताभ बच्चन संगे सेहो काज करबाक सौभाग्य शामिल अछि।

jay ho murari babu1आइ मैथिली जिन्दाबाद केँ जानकारी पठबैत अपन पहिल हिन्दी फिल्म ‘मुरारी ए मैड जेन्टलमैन’ मे ‘ललन झा, मुखिया’ केर भूमिका मे असरानी समान सिद्धहस्त बोलीवुड स्टार केँ होयबाक फोटो उपलब्ध करौलनि अछि। आरो विस्तार सँ किछु जानकारी उपलब्ध करेबाक लेल हिनका सँ किछु प्रश्न एहि तरहक पूछल गेल छल जे, एहि फिल्मक कथा लिखबा लेल कोना प्रेरित भेल रही, मिथिलाक पहिचान समेटैत हिन्दी फिल्म द्वारा स्थापित करबाक सुदृढ योजना लेल कोन बात सब सँ बेसी प्रेरित केने छल, फिल्मक निर्माण मे बोलिवुड केर स्टार सबकेँ समेटलहुँ, एहि मे आर किनकर-किनकर सहयोग आ प्रेरणा भेटल, फिल्मक तैयारी कतेक दूर धरि पहुँचल अछि, एकर सूटिंग मे मिथिलाक्षेत्र सेहो अछि कि नहि, यदि हँ, तऽ विशेष जानकारी देल जाउ, मैथिली भाषा केर सेहो सोन्हि भेटत कि फिल्म मे…. जेना बियाहक सीन मे गीत आदि… किछु मैथिली पारंपरिक संवाद आदि? फिल्म कहिया धरि रिलीज होयत? एकर निर्माता-निर्देशक आ कलाकार सबहक बारे मे सेहो बताउ। – ताहि पर अपन स्पष्टवादी विचारक संग सागर जी जे जानकारी करौलनि अछि से निम्न अछि।

sagar jha murari babu me“भाइजी! हम एहि फिल्म केर लेखन शुरु केने रही २०१० मे। हमर सपना रहय जे एहि फिल्म केर शूट मिथिला मे करी, मुदा एकर निर्माता किशोर एन पटेल कहलाह जे गुजरात नीक स्पाट रहत, बरु कहानीक हिसाबे ओहि गाँव केर नाम फूलपरास देखा दियौक… हमरा कोनो ऐतराज नहि भेल। हम अपन गाम फूलपरास सँ १२ गोटा अपन मित्र केँ गुजरात बजेलहुँ, फिल्म केँ शूट सऽ एक सप्ताह पहिने, जाहि मे दु गोटा कमार मित्र सेहो आयल छलाह। ओतहि मिथिलाक हिसाबे एकटा दूचारी चाहक दोकान, २ टा कठघारा पान दोकान बनाओल गेल। एकटा यज्ञ मंडप केर निर्माण भेल। एहि फिल्म मे २ ठाम झंझारपुर, २ ठाम गारा टोल आ २ ठाम मधुबनीक नाम लेल गेल अछि। एहि फिल्म मे मिथिलाक वैवाहिक संस्कार जेना पाग, दोपटा, घुनेश, गुआ-माला, ठक-बक, तामा, दूर्वाक्षत, चंगेरा, परिछन, चुमाओन आदि देखाओल गेल अछि। १४ सेकंड मैथिली समदाउन गीत आ २९-३० सेकंड केर मैथिली विवाहक गीत सेहो बाजत। ओना एहि फिल्म मे ५% संवाद अंग्रेजी मे अछि, कियैक तऽ जे फिल्म नायिका अमेरिका सँ अबैत छथिन। फिल्म मे मिथिलाक नाम चारि ठाम लेल गेल अछि। एहि फिल्म मे कास्टिंग डाइरेक्टर सेहो हम अपने छी। कास्टिंग मे अपन मिथिला केँ प्राथमिकता देलहुँ। असरानीजी आ फिल्मक नायिका नतालिया इलिना केँ छोड़ि बाकी सब मुख्य भूमिका निर्वाह कएनिहार अपन मिथिला सँ छथि। हिरो संजीव सिंह सेहो सहरसा सँ, फिल्म मे मुख्य खलनायक गोविन्द पाठक रोसड़ा (समस्तीपुर) सँ आ हमहुँ एकटा पैघ भूमिका मे छी एहि फिल्म मे। ई फिल्म एक्कहि संग पूरा संसार मे प्रदर्शित होयत। फिल्म केर डाइरेक्टर सुजाद इकबाल खान आ सह-निर्माता मे रमानाथ झा छथि। सोनू निगम, ममता शर्मा आ कृष्णा बरुआ अपन आवाज देने छथि। उम्मीद अछि जे नवम्बर धरि ई सिनेमा रिलीज कैल जायत। एखन फिल्म केर पोस्ट प्रोडक्सन कार्य सब चलि रहल अछि।”

sagar jha murari babu me1मिथिलाक कलाकार, मिथिलाक पहिचान केँ स्थापित करयवला फिल्मी फैक्टर्स, कथा-संवाद सब मे मिथिला आ भाषा हिन्दी रहला सँ मिथिलाक पहिचान विश्व मे स्थापित होयत। मैथिली जिन्दाबाद एहि समाचार केँ प्रसारण करैत जतेक प्रसन्न अछि ततबे हरेक मैथिलीभाषी-मिथिलावासी केँ प्रसन्नता हेतनि। तखन फिल्मक नाम मे सेहो मुरारी बाबु केर उपस्थिति – एकर किछु खास कारण पूछला पर सागरजी कहैत छथि, “भाइजी! ई फिल्म एकटा मानसिक रोगीक जीवन पर आधारित अछि, ई एकटा हास्य फिल्म अछि। समाज मे पसरल अंधविश्वास पर चोट करैत आधुनिक विकसित समाज संग डेग जोड़ि बढबाक संदेश देनाय एहि फिल्मक मूल उद्देश्य छैक।”

निश्चित ई समस्त मिथिलावासी लेल गौरवक विषय भेल जे हिन्दी सिनेमाक लोकप्रियताक संग मैथिली भाषाक मिठास आ मिथिला पहिचान केँ विश्वस्तर पर स्थापित करबाक महत्त्वपूर्ण कार्य एहि फिल्म द्वारा कैल जायत। हार्दिक शुभकामना सागरजी आ समस्त टीम केँ। रमानाथ झा एहि सँ पूर्व हाफ मर्डर मैथिली फिल्म सँ सेहो मिथिलाकेँ एकटा सिनेमैटिक गिफ्ट दऽ चुकल छथि। ई हुनकर लगानीक दोसर चरण थीक। सबहक लेल हार्दिक शुभकामना मैथिली जिन्दाबाद टीम तरफ सँ।